पटना, समदिया
मुजफ्फरपुर जिला अन्तर्गत कुढ़नी प्रखंड मे भेल दलित नाबालिग बचिया संग दुष्कर्म आ समुचित इलाज नहि भेटबाक कारण मृत्यु पर बिहार कांग्रेस द्वारा कड़ा विरोध प्रकट कैल जा रहल अछि। एहि संदर्भ मे प्रदेश कांग्रेस अध्यक्ष राजेश राम पटना स्थित कांग्रेस मुख्यालय सदाकत आश्रम मे आयोजित संवाददाता सम्मेलन मे कहलनि जे बिहार सरकारक भ्रष्ट, असंवेदनशील आ निरंकुश शासन प्रणाली केर कारण ओ मासूम बचिया अपन जान गँवा देलक।
ओ भाजपा सांसद चिराग पासवान सं सीधा सवाल उठबैत कहलनि जे दलित वोट त चाही, मुदा जं न्याय आ सहानुभूति देबाक समय आएल त अहाँ चुप रहलहुं। डबल इंजन सरकार मे भागीदार होइतो एकटा बचिया लेल ऑक्सीजन सिलिंडर तक नहि दिया सकलहुं।
पूर्व मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी परोक्ष रूप सं आरएसएस केर दबाव मे चुप्पी साधबाक आरोप लगेलनि। प्रदेश कांग्रेस अध्यक्ष मीडिया कें धन्यवाद दैत कहलनि जे अनेको मीडिया संस्थान दलित बेटी लेल न्यायक आवाज बनल, हम सभ धन्यवाद दैत छी।
एहि अवसर पर भाजपा सं इस्तीफा देनिहार पूर्व प्रदेश प्रवक्ता असित नाथ तिवारी सेहो उपस्थित छलाह। ओ कहला जे हम अपन आत्मा बेचि राजनीति नहि क’ सकैत छी। भाजपाक अंदर मानवीय संवेदना मृतप्रायः भ’ चुकल अछि। ओ खुलासा केलनि जे बचियाक जीवन बचाबय लेल भाजपा प्रदेश अध्यक्ष दिलीप जायसवाल सं मदद मांगल गेल, मुदा ओ राजनीतिक लाभ-हानि कें प्राथमिकता देलनि।
तिवारी कहला जे पीएमसीएच जेहन अस्पताल मे बेड तक नहि भेटल। बचिया के सीना फाड़ल गेल आ स्वास्थ्य मंत्री दावा करैत छथि एशियाक सर्वश्रेष्ठ व्यवस्थाक। ई कथनी-करनी केर अंतर दुखद अछि।
संवाददाता सम्मेलन मे कांग्रेस नेता डॉ. मदन मोहन झा, शाहनवाज आलम, प्रतिमा कुमारी दास, छत्रपति यादव, राजेश राठौर, सरवत जहां फातिमा, उमै़र खान समेत अनेको वरिष्ठ नेता उपस्थित छलाह। राजेश राम शीघ्रहि मुजफ्फरपुर जा पीड़ित परिवार सं भेंट करताह।



