पटना, समदिया
राष्ट्रपति द्वारा स्वीकृति देलाक बाद ‘लैंड फॉर जॉब’ मामिला मे मनी लॉन्ड्रिंग केर विषय पर आइ सुनवाई होयबाक अछि। 9 मई कें राष्ट्रपति द्रौपदी मुर्मू एकर अनुमति दैत छथि। राष्ट्रपति दण्ड प्रक्रिया संहिता (सीआरपीसी) केर धारा 197 (1) तथा भारतीय नागरिक सुरक्षा संहिता, 2023 केर धारा 218 केर अंतर्गत अभियोजन चलेबाक अनुमति देने छथि।
‘लैंड फॉर जॉब’ मामिलाक जांच प्रवर्तन निदेशालय (ईडी) क’ रहल अछि। ईडी गत वर्ष अगस्त मे लालू प्रसाद यादव, हुनकर पुत्र तेजस्वी यादव आ परिवारक आन सदस्य सभक विरुद्ध आरोप-पत्र दायर केने छल। ई मामला सीबीआई द्वारा दर्ज कएल गेल एक प्राथमिकी पर आधारित मनी लॉन्ड्रिंग सं जुड़ल अछि। ईडी अपन चार्जशीट मे लालू प्रसाद पर आय नुकेबाक उद्देश्य सं परिवार आ सहयोगी सभक संग मिलिकय आपराधिक षडयंत्र रचबाक आरोप लगेलक।
एना बुझू जे कोना भेल अछि लैंड फॉर जॉब मामला मे खेल
डील 1: सीबीआई केर शुरुआती जांच अनुसार, 6 फरवरी 2008 कें पटना निवासी किशुन देव राय अपन 3,375 वर्ग फीट जमीन मात्र 3.75 लाख टका मे राबड़ी देवी कें बेच देलनि। एकर बाद ओहि वर्ष हुनकर परिवारक 3 सदस्य – राजकुमार सिंह, मिथिलेश कुमार आ अजय कुमार – कें मध्य रेलवे, मुंबई मे ग्रुप-डीक पद पर नोकरी भेटल।
डील 2 : फरवरी 2008 मे महुआ बाग, पटनाक संजय राय सेहो 3,375 वर्ग फीट जमीन 3.75 लाख टका मे राबड़ी देवी कें बेच देलनि। जांच मे ई सामने आयल जे संजय राय संग हुनकर परिवारक 2 आन सदस्य सभ कें सेहो रेलवे मे नौकरी भेटल।
डील 3: नवम्बर 2007 मे पटना निवासी किरण देवी अपन 80,905 वर्ग फीट जमीन मात्र 3.70 लाख टका मे लालू यादवक पुत्री मीसा भारती कें बेच देलनि। 2008 मे किरण देवीक पुत्र अभिषेक कुमार कें सेंट्रल रेलवे, मुंबई मे नौकरी भेटल।
डील 4: फरवरी 2007 मे पटनाक हजारी राय अपन 9,527 वर्ग फीट जमीन दिल्ली स्थित एके इंफो सिस्टम्स प्राइवेट लिमिटेड कें 10.83 लाख टका मे बेच देलनि। बाद मे हजारी रायक दू भतीजा – दिलचंद कुमार आ प्रेमचंद कुमार – कें वेस्ट सेंट्रल रेलवे, जबलपुर आ साउथ ईस्टर्न रेलवे, कोलकाता मे नौकरी भेटल।
सीबीआई केर अनुसार, ए.के. इंफो सिस्टम्स केर संपूर्ण अधिकार आ संपत्ति 2014 मे लालू प्रसाद यादव केर पत्नी आ पुत्री केँ हस्तांतरित भ’ गेल। राबड़ी देवी 2014 मे ई कंपनी केर अधिकांश शेयर खरीद लेने छलीह आ बाद मे कंपनी केर निदेशक बनलीह।
डील 5: पटना निवासी लाल बाबू राय मई 2015 मे अपन 1,360 वर्ग फीट जमीन मात्र 13 लाख टका मे राबड़ी देवी केर नाम पर क’ देलनि। सीबीआई केर जांच अनुसार, लाल बाबू राय केर पुत्र लालचंद कुमार केँ 2006 मे नॉर्थ वेस्टर्न रेलवे, जयपुर मे नोकरी भेटल।
डील 6: बृजनंदन राय मार्च 2008 मे अपन 3,375 वर्ग फीट जमीन गोपालगंज निवासी हृदयानंद चौधरी केँ 4.21 लाख टका मे बेच देलनि। हृदयानंद केँ 2005 मे ईस्ट सेंट्रल रेलवे, हाजीपुर मे नौकरी भेटल। 2014 मे हृदयानंद ई जमीन गिफ्ट डीड केर माध्यम स’ लालू यादव केर पुत्री हेमा केँ देलनि।
सीबीआई केर जांच अनुसार, हृदयानंद आ लालू यादव मे कोनो रक्त-संबंध नहि अछि। जखन जमीन गिफ्ट कएल गेल, तखन ओकर सरकारी दर अनुसार मूल्य 62 लाख टका छल।
डील 7: विशुन देव राय मार्च 2008 मे अपन 3,375 वर्ग फीट जमीन सीवान निवासी ललन चौधरी केँ देलनि। ललन केर पोता पिंटू कुमार कें 2008 मे वेस्टर्न रेलवे, मुंबई मे नौकरी भेटल। बाद मे फरवरी 2014 मे ललन चौधरी ई जमीन हेमा यादव कें हस्तांतरित क’ देलनि।



