17.9 C
London
Thursday, April 23, 2026

‘शुद्ध देसी बिहारी’ बनाम ‘बाहरी’ पर आरजेडी के पोस्टर वार, तेजस्वी-चिराग भेंटक बाद सियासत गरमाएल

पटना, समदिया
बिहारक राजनीतिक गलियारा मे एक बेर फेर उथल-पुथल देखल जा रहल अछि। नवादा जिलाक कौआकोल प्रखंड स्थित पांडेय गंगौट गाम मे शहीद मनीष कुमार कें श्रद्धांजलि देबाक अवसर पर राष्ट्रीय जनता दल नेता तेजस्वी यादव आ लोक जनशक्ति पार्टी (रामविलास) प्रमुख तथा केंद्रीय मंत्री चिराग पासवानक बीच भेल आत्मीय भेंटक सियासी असर सभ दिशि देखल जा रहल अछि।

मंगल दिन आयोजित श्रद्धांजलि समारोह मे तेजस्वी आ चिरागक संयोगवश भेंट भेल। कार्यक्रमस्थल पर गला मिलैत दुनू नेता अपन-अपन हालचाल पुछलनि, जेकरा मीडिया आ राजनीतिक विश्लेषक 2025 विधानसभा चुनाव सं जोड़ि संभावित गठबंधनक संकेत मानि रहल छलाह।

मुदा भेंटक 12 घंटाक भीतर आरजेडी द्वारा राजधानी पटना मे चिपकाओल गेल पोस्टर सं समूचा राजनीतिक माहौल बदलि गेल।

आरजेडी महिला नेत्री संजु कोहली पासवान द्वारा लगाओल गेल पोस्टर मे तेजस्वी यादव कें “शुद्ध देसी बिहारी” बताओल गेल, जखन कि चिराग पासवान कें “बाहरी” केर तमगा देल गेल। एकरा संग-संग मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ उपमुख्यमंत्री सम्राट चौधरी पर सेहो तंज कसैत राज्य मे अपराध आ भ्रष्टाचारक मुद्दा उठाओल गेल। चिराग पासवान कें “मुंगेरीलाल के हसीन सपना देखने वाला” कहिक’ आरजेडी अपन कटाक्ष कें आरो धार देलक।

एहि पोस्टर लगाओल गेलाक बाद राज्य मे राजनीतिक बयानबाजी तेज भ’ गेल अछि। एलजेपी (रामविलास) प्रवक्ता धीरेंद्र कुमार मुन्ना कहला जे चिराग आ तेजस्वीक बीच पारिवारिक संबंध अछि। ओ कहला जे नीति आ दृष्टिकोण मे भिन्नता भ’ सकैत अछि, मुदा व्यक्तिगत संबंध सौहार्दपूर्ण अछि।

विश्लेषकक मानब अछि जे पोस्टरक माध्यम सं आरजेडी अपन सामाजिक आ जातीय आधार कें मजगूत करबाक संग कोनो संभावित गठबंधन पर पूर्वहि सं नियंत्रण राख’ चाहैत अछि।

एक दिस भेंट मे सौहार्द्रक संकेत, दोसर दिस पोस्टरक माध्यम सं तीखगर हमला एहि दुविधा पूर्ण परिस्थिति मे बिहारक आगामी राजनीति कोन दिशा ल’ लेत, ई आब समये बताओत। मुदा फिलहाल ‘बिहारी बनाम बाहरी’ केर राजनीतिक विमर्श फेर सं केंद्र मे आबि गेल अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here