11.1 C
London
Wednesday, April 15, 2026

सखी बहिनपा मैथिलानी समूह सैनिक भाइसभ कें पठौलनि राखी

मधुबनी, समदिया

रक्षाबंधनक पावन अवसर पर सखी बहिनपा मैथिलानी समूहक महिला सभ देशक सीमा पर तैनात वीर सैनिक भाइसभ लेल प्रेम-पूरित राखी प्रेषित क’ विशेष संदेश देलनि। समूहक सदस्यसभ स्नेहपूर्वक राखी बनौलनि आ ओकरा संग भावनात्मक पत्र संलग्न क’ डाक द्वारा सीमावर्ती क्षेत्रक सैनिक सभक नाम पठौलनि। एहि अभिनव प्रयास मे आरती झा, कल्पना सिंह, वंदना झा, रागिनी मिश्र, नीरजा सिंह, मंजू झा, वंदना ठाकुर, रजनी झा, सुभाषिनी झा आ गीता झा समेत बहुत रास मैथिलानी सभ सक्रिय रूप सं सहभागी रहलथि।

महिला सभक कथन अनुसार, ई छोट प्रयास सैनिक सभक प्रति आभार प्रकट करबाक संग-संग हुनकर गौरवपूर्ण सेवाक प्रति श्रद्धा अर्पित करबाक माध्यम अछि। ओ राखीक माध्यमे ई संदेश देबाक चाह रखैत छथि जे सम्पूर्ण देशवासी सदिखन वीर रक्षक सबहक संग छथि।

मधुबनी प्रभारिणी छाया मिश्रा एहि पहल कें अत्यन्त प्रशंसनीय बतबैत कहलनि जे ई कार्य केवल भावनात्मक संबंधक प्रतीक नहि, बल्कि समाज मे देशभक्ति आ एकता कें सुदृढ़ करबाक संदेश सेहो दैत अछि। एहि अभियान सं रक्षाबंधन जेकां पारंपरिक पर्व कें एक नवीन सामाजिक गहराइ भेटल अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here