11.1 C
London
Wednesday, April 15, 2026

सखी बहिनपा मैथिलानी समूह सोल्लास मनओलक मधुश्रावणी उत्सव सह सखी दिवस

बोकारो ।  सखी बहिनपा मैथिलानी समूह बोकारो इकाई द्वारा बोकारो के सेक्टर 4 सिटी सेंटर मे मधुश्रावणी उत्सव सह सखी दिवसक भव्य आयोजन कएल गेल। सखी बहिनपा, बोकारो इकाई अध्यक्ष अमिता झा, महासचिव उषा झा, सांस्कृतिक प्रभारी जयंती पाठक, कोषाध्यक्ष सुजाता झा, मीडिया प्रभारी संजीता भुवनेश व रेखा झा सहित अन्य सदस्यासभक सक्रिय सहभागिता सं आयोजित एहि कार्यक्रम मे गीत, संगीत, नृत्य व गेम के संगहि कतेको प्रतियोगिता सेहो आयोजित भेल जाहिमे सभ उत्साहपूर्वक हिस्सा लेलनि।

महासचिव उषा झा स्वागत भाषण मे संस्थाक गतिविधिसभ पर प्रकाश दैत सभकें मधुश्रावणी उत्सव व सखी दिवस के शुभकामना देलनि। कार्यक्रमक शुभारंभ इंदिरा झा, अमिता झा, किरण मिश्रा, लीला झा व मंजू कुमार द्वारा दीप प्रज्जवलन सं भेल। सदस्यासभ महाकवि विद्यापति रचित भगवती वंदना गोसाओनिक गीत जय जय भैरवि… के सुमधुर प्रस्तुति कयलनि। एहि गीत पर जया मनोहारी नृत्य प्रस्तुति सं सभहक प्रशंसा पओलनि। किरण झा, अमिता झा, लीला झा, इंदिरा झा, पूनम झा व आशा पाठक ‘बाबा वैद्यनाथ हम आयल छी भिखरिया…’, पूनम झा ‘दूर देखल सखी बड़ त्रिपुरारी गे सखी भंगिया भिखारी…’, उषा झा, जयंती पाठक, रेखा झा, संजीता भुवनेश व सुजाता झा कजरी ‘हरे रामा भादो रैन अंधियारी बदरिया कारी हे हरी…’ सुनाकय सभकें आनंदित कयलनि। कार्यक्रम मे बीनू चौधरी सावन क्वीन चुनल गेलीह जखनकि पद्मा चौधरी उपविजेता रहलीह। पूनम झा के बेस्ट पर्सनैलिटी अवॉर्ड सं सम्मानित कएल गेल। डाला सजाओ प्रतियोगिता मे रेखा झा प्रथम स्थान पर रहलीह जखनकि संजीता भुवनेश द्वितीय व कल्याणी तृतीय स्थान प्राप्त कयलनि। खेल प्रतियोगिता मे रेखा झा के पहिल, बीनू चौधरी के दोसर आ जयंती पाठक के तेसर स्थान भेटलनि। एहि अवसर पर रुबी ठाकुर, सुनीता झा, मीरा झा, रीता झा, शारदा चौधरी, रीमा आदि सेहो उपस्थित छलीह।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here