18.5 C
London
Sunday, April 26, 2026

सफाई कर्मी सबहक कल्याण आ अधिकारक होयत आयोगक गठन : सीएम

पटना, समदिया

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा बिहार राज्य मे सफाई कर्मी सभक कल्याण आ अधिकारक सुरक्षा लेल बिहार राज्य सफाई कर्मचारी आयोगक गठनक घोषणा कएल गेल अछि। रविक भोर ओ अपन एक्स हैंडल सं एहि बातक जानकारी देलनि। ओ कहलनि जे ई आयोग सफाई कर्मीसभक अधिकारक रक्षा, सामाजिक-आर्थिक उत्थान आ कल्याणकारी योजनाक निगरानी लेल बनाओल जा रहल अछि।

आयोग मे महिला वा ट्रांसजेंडरक सहभागिता
मुख्यमंत्री जनौलनि जे आयोग मे एक अध्यक्ष, एक उपाध्यक्ष आ पांच सदस्य होएत, जाहि मे एकटा महिला अथवा ट्रांसजेंडर शामिल हेताह। ई आयोग सफाई कर्मी सभक अधिकारक रक्षा करत, हुनक शिकायतक समाधान करबाक संगहि कल्याणकारी योजनाक प्रभावी क्रियान्वयन हेतु सरकार कें सुझाव देत।

वंचित वर्ग कें मुख्यधारा मे जोड़बाक पहल

आयोग समाजक वंचित वर्ग कें मुख्यधारा मे अनबाक संग हुनक सामाजिक-आर्थिक विकास मे महत्त्वपूर्ण भूमिका निभाओत। एहि निर्णय सं सफाई कर्मी संगठनसभ मे उत्साह देखल जा रहल अछि।

दीर्घकालीन मांगक पूर्ति

सफाई कर्मी संघ द्वारा पैघ समय सं आयोग गठनक मांग कएल जा रहल छल। लगातार आंदोलन आ प्रदर्शनक बाद सरकार ई निर्णय लेल गेल। आयोगक माध्यम सं सफाई कर्मी सभ अपन समस्या सभक समाधान लेल एक सशक्त मंच प्राप्त करत।

नीतीश सरकारक पूर्व पहल
ई पहिल बेर नहि अछि जे नीतीश कुमार विभिन्न सामाजिक वर्गक लेल आयोग बनौने होथि। पूर्व मे युवा आयोग संग अन्य बोर्ड आ निगमक गठन सेहो कएल गेल छल, जाहि मे एनडीए कार्यकर्ता सभ कें प्रतिनिधित्व भेटल अछि।

चुनाव सं पूर्व जनसंपर्कक रणनीति:
शनिदिन मुख्यमंत्री पत्रकार सभक पेंशन राशि 6000 सं बढ़ा कए 15000 करबाक घोषणा केलनि। ताहि सं पूर्व ओ एक करोड़ नौकरी देबाक घोषणा सेहो कए चुकल छथि। सामाजिक सुरक्षा पेंशन 400 सं बढ़ा कए 1100 आ 125 यूनिट बिजली निशुल्क करबाक घोषणा सेहो भए चुकल अछि। एहि लगातार घोषणासभ कें विधानसभा चुनावक संदर्भ मे सेहो देखल जा रहल अछि।

आशा अपेक्षा
बिहार राज्य सफाई कर्मचारी आयोगक गठन सं सफाई कर्मीसभ मे नव आशा जन्म लेलक अछि। आब देखबाक बात ई होयत जे आयोग कतेक जल्दी आ प्रभावी रूप सं अपन लक्ष्य कें पूरा करैत अछि।

 

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here