9.7 C
London
Monday, April 27, 2026

सभ सीओ आवश्यकताक आकलन कए नावक करथि एकरारनामा : डीएम

मधुबनी, समदिया

मधुबनी जिलाधिकारी अरविंद कुमार वर्मा समाहरणालय स्थित वीडियो कॉन्फ्रेंसिंग कक्ष सं वर्चुअल माध्यम सं बाढ़ि पूर्व तैयारीक आ बाढ़ि उत्पन्न होमय पर त्वरित रूप सं निपटबाक लेल जिलाक सभ अनुमंडल पदाधिकारी, अंचल अधिकारी आ जिला स्तरीय सभ अधिकारीसभ संग बैठक क’ कए कतेको निर्देश देलनि। जिलाधिकारी कहलनि जे संभावित बाढ़िक स्थिति मे ओहि सं निपटबाक लेल तैयारी कें सर्वोच्च प्राथमिकता पर राखल जाए। ओ कहलनि जे आपदा आपूर्ति पोर्टल पर सभ डाटा तुरंत अपडेट कएल जाए ताकि आपदाक स्थिति उत्पन्न भेला पर समय पर राहति पहुंचाएल जा सकय। ओ कहलनि जे एहि काज मे कोनो प्रकारक लापरवाही या शिथिलता बर्दाश्त नहि कएल जाएत आ जिम्मेवारी तय क’ कार्रवाई कएल जाएत।

जिलाधिकारी कहलनि जे सभ अंचल अधिकारी आवश्यकताक आकलन करैत निजी नावक लेल एकरारनामा करथि, आ उपलब्ध सरकारी नावक भौतिक सत्यापन कए क्षतिग्रस्त नावक मरम्मति समय पर करथि। ओ स्थायी बाढ़ आश्रय स्थलक संग संग अस्थायी बाढ़ आश्रय स्थलसभक समीक्षा करैत कहलनि जे बाढ़ आश्रय स्थलक पेयजल, शौचालय आदि मूलभूत व्यवस्थाक भौतिक सत्यापन क’ ल’ क’ सुनिश्चित करथि।

ओ स्वास्थ्य विभाग कें निर्देश देलनि जे बाढ़ राहत कार्य सं जुड़ल आवश्यक दवाइसभ समय पर स्टॉक में राखल जाए, जेना जीवन रक्षक दवाई, एंटी स्नैक, हैलोजनक गोली, ब्लीचिंग पाउडर आदि पर्याप्त मात्रामे उपलब्ध हो, ई हरहाल में सुनिश्चित क’ ली। ओ लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण प्रमंडल, मधुबनी कें निर्देश देलनि जे विभाग द्वारा चापाकलक मरम्मति आ नव चापाकलक स्थापना लेल तैयारी करबाक दिशा में काज करथि। ओ एहि संबंध में सभ अनुमंडल पदाधिकारीसभ क’ सतत निगरानी रखबाक निर्देश देलनि।

जिलाधिकारी सभ अनुमंडल पदाधिकारी, अंचल अधिकारी आ बाढ़ प्रमंडलक अधिकारीसभ क’ कहलनि जे ओ सभ अपन क्षेत्रक बांध सभक निरंतर निरीक्षण करथि। यदि कोनो स्थान पर बांधक संरचनामे कोनो त्रुटि देखल जाए त’ त्वरित रूप सँ संबंधित अभियंता सँ समन्वय क’ समाधान करथि। ओ सभ संबंधित पदाधिकारीसभ क’ निर्देश देलनि जे ओ सभ प्रत्येक बुध कें आपदा प्रबंधन विभागक समीक्षा बैठक मे उपस्थित रहथि। एहि लेल सभ संबंधित जिला स्तरीय पदाधिकारी समय पर समाहरणालय वीसी कक्ष मे बैठक मे उपस्थित रहताह आ सभ एसडीओ, सीओ आ सभ तकनीकी विभागक क्षेत्रीय पदाधिकारी वीसीक माध्यम सं बैठक मे जुरताह। ओ कहलनि जे जं कोनो महत्वपूर्ण बैठक सं अनुपस्थित रहला पर कार्रवाई क’ जाएत।

बैठक मे अपर समाहर्ता, राजेश कुमार, अपर समाहर्ता आपदा, संतोष कुमार, सिविल सर्जन डॉ. हरेंद्र कुमार, प्रभारी जिला आपदा प्रबंधन शाखा परिमल कुमार, सहायक आपदा प्रबंधन पदाधिकारी रजनीश कुमार, जिला कृषि पदाधिकारी ललन चौधरी, जिला पशुपालन पदाधिकारी सहित अन्य वरीय अभियंता, पदाधिकारी आ अन्य उपस्थित छलाह।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here