पटना, समदिया
बृहस्पति कें सत्ता पक्ष आ विपक्षक बीच भेल गारि-गरौवलि आ थूक्कम-फजीहत सं सदनक गरिमा रसातल पहुंचि गेल। उपमुख्यमंत्री सम्राट चौधरी आ नेता प्रतिपक्षक बीच सदन मे खूब गारि-गरौवलि आ थूक्कम-फजीहत भेल। स्थिति भाजपा आ राजद विधायकक बीच धक्का-मुक्की धरिक उत्पन्न भए गेल। सदन तैनात मार्शल दुनू पक्ष कें कहुना अलग करबौलनि।
बुधदिन बिहार विधानसभाक मानसून सत्रक तेसर दिन जे ‘बाप’ शब्द कें लए कए हंगामा भेल रहय, ओही पर बृहस्पति दिन फेर सं नवका रूप मे बवाल भड़कि गेल। यद्यपि नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव ओहि शब्दक लेल क्षमा प्रकट केने छलाह, तथापि उपमुख्यमंत्री सम्राट चौधरी द्वारा लालू प्रसाद यादव कें लए कए कएल गेल अमर्यादित टिप्पणी सं समूचा राजद आ महागठबंधन आक्रोशित भए उठल। ओहि टिप्पणी पर नेता प्रतिपक्ष सेहो अत्यंत तीव्र प्रतिक्रिया देलनि, जकर बाद सदन मे दूनू पक्ष सं घोर हंगामा भए गेल।
सत्रक चारिम दिन तेजस्वी यादव सरकारक विफलता गिनबैत छलाह। ओना हुनकर वक्तव्य पर निरंतर सत्ता पक्षक विरोध रहय, मुदा अध्यक्ष नंदकिशोर यादवक हस्तक्षेप उपरांत हुनका बाजबाक अवसर देल गेल। जखन ओ मतदाता सूचीक विशेष गहन पुनरीक्षण पर प्रश्न उठेलनि, तखन उपमुख्यमंत्री सम्राट चौधरी अत्यंत क्रोधित भए गेलाह आ लालू यादव पर टिप्पणी कए देलखिन।
अहां कें छी बाजयवला : सम्राट चौधरी
सम्राट चौधरी बीचमे टोकैत कहलनि जे अहां के छी बाजय वला? जकर बाप बिहारक अपराधी हो, से की बाजत? चल हट, चल हट। लुटेरा छें, लुटेरा। एहि पर तेजस्वी यादव सेहो प्रचंड प्रतिक्रिया देलनि जं बेसी जोर सं बाजब तं … भए जाएत। एकर बाद सदनक वातावरण पूर्ण रूपें अशांत भए गेल।
सम्राट चौधरी आ तेजस्वी यादवक बीच वाक् युद्धक क्रममे राजदक कतेको विधायक सत्ता पक्ष दिस तीव्र गति सं बढ़लाह। एकरा जवाबमे सत्ता पक्ष सं सेहो विधायक सभ बाहर एलाह। परिस्थिति बिगड़ैत देखि विधानसभा अध्यक्ष नंदकिशोर यादव सदनक कार्यवाही स्थगित कए देलनि। कार्यवाही स्थगित होइते दुनू पक्ष आमने-सामने भए गेल। हाथापाई केर स्थिति बनल, मुदा मार्शलक हस्तक्षेप सं मामला नियंत्रित कएल गेल। विधानसभा सं बाहर आबि कए तेजस्वी यादव पत्रकार सभ कें कहलनि जे हमरा सदनमे बाजय सं रोकल जा रहल अछि। हम तं केवल आम लोकक मुद्दा उठा रहल रही।
माय-बहिनक गारि देल गेल : तेजस्वी
पूर्व उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव विधानसभा भवनक बाहर पत्रकार सभ सं गप्प करैत समय आरोप लगेलनि जे सदन मे हुनका प्रति निरंतर अपमानजनक भाषा प्रयुक्त कएल गेल। ओ कहलनि जे भाजपा विधायक जनक सिंह हुनका प्रति गारि-गलौज केलनि। तेजस्वी यादव आरोप लगेलनि जे लालगंजक भाजपा विधायक संजय सिंह माइक तोड़िकए हुनका पर हमला करबाक प्रयास केलनि। ओ कहलनि जे जखन उपमुख्यमंत्री स्वयं एहन व्यवहार करैत छथि, तं सामान्य सदस्यक की आशा कएल जाए। हम कोनो अपशब्द नहि कहलहुं। मात्र एतेक कहने रही जे जं बहुत जोर सं चिचियाएब तं पैंट भीगि सकैत अछि। मुदा हमरा माय-बाप आ बहिन धरि कें गारि देल गेल। काल्हि उपमुख्यमंत्री अपशब्द कहि रहल छलाह, आइ हुनकर चेला-चपाटी वैह सब कए रहल अछि। भाजपाक लोकनि मे आब सत्य सुनबाक साहस खत्म भए गेल अछि।
हम रहितहुं तं बोखार उतारि दितहुं : तेजप्रताप
पूर्व स्वास्थ्य मंत्री आ राजद विधायक तेज प्रताप यादव बृहस्पति कें पत्रकार सभ सं बात करैत कहलनि जे सम्राट चौधरीक राजनीतिक अस्तित्व एखन धराशायी भए चुकल अछि। ओ आरएसएस विचारधारा सं संचालित ओहि पार्टी सं अबैत छथि जे महात्मा गांधीक हत्या कएने छल। ई सभ गुंडा प्रवृत्तिक लोक छथि। हिनकर छवि गुंडागर्दी सं भरल अछि। दोसरक पिता कें गारि देबए लागल छथि। जं हम हुनकर पिता कें गारि दितहुं तं हुनका केहन लागैत? ई सभ जनहितक मुद्दा पर गारि-गरौज करए लगैत छथि। जं ककरो घर-परिवार मे घुसबैत छथि तं माइरपीट करब सेहो शुरू कए दैत छथि। हम तं ओतए नहि रही, नहि तं हुनकर बोखार उतारि दितहुं।



