18.5 C
London
Sunday, April 26, 2026

सहरसा मे पंचायत समिति सदस्य कें अज्ञात अपराधी मारलक गोली

सहरसा, समदिया

जिलाक चिरैया थाना क्षेत्र स्थित काजी चौराही कोसी बांधक निकट शुक्रक अहले भोर मॉर्निंग वॉक करय गेल पंचायत समिति सदस्य पर बाइक सवार दू अज्ञात अपराधी गोली चला देलक। संयोग सं ई गोली पंस सदस्यक केवल बामा हाथक औंठा घायल भेल आ जान बांचि गेल।

घटनाक बाद दू गोट अपराधी तुरन्त मोटरसाइकिल सं फरार भ’ गेल। गोली चलबाक आवाज सुनि स्थानीय लोक घटनास्थल पर जुटि गेल। तत्पश्चात घायल अजय कुमार कें तुरन्त सदर अस्पताल ल’ जायल गेल। चूंकि केवल औंठा मे चोट लागल छल, लोक मे किछु राहतक भाव देखल गेल। सूचना पाबि चिरैया थाना अध्यक्ष कुंदन कुमार नेतृत्व मे पुलिस टीम घटनास्थल पर पहुंचल आ अपराधी सभक भागबाक दिशा मे छापामारी शुरू कयल गेल।

घायल पंचायत समिति सदस्यक पहिचान कटघरा पुनर्वास, वार्ड संख्या 6 निवासी ब्रह्मदेव चौधरीक पुत्र आ चानन पंचायत समिति सदस्य अजय कुमारक रूप मे भेल। अजय कुमार स्वयं बतौलनि जे ओ प्रत्येक दिनक भांति मॉर्निंग वॉक लेल निकलल छलाह। कोसी बांध पर पहुंचिते एकटा अपाचे बाइक पर सवार दू अज्ञात युवक अचानक हुनका पर गोली चला देलक। गोली सीधा हुनकर बामा हाथक औंठा मे लागल, जाहि सं ओ घायल भए गेलाह। जं गोली शरीरक कोनो दोसर अंग मे लगैत, तं हुनकर जीवन संकट मे पड़ि सकैत छल। ओ कहलनि जे भगवाने हुनका जीवन दान देलनि। थानाध्यक्ष कुंदन कुमार कहला जे घटना कें ल’ क’ आवश्यक कार्रवाई आरंभ भ’ चुकल अछि। अपराधी सभ केँ चिन्हबाक प्रयास जारी अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here