पटना। बिहार मे सत्तासीन जनता दल यूनाइटेड द्वारा अपनहि पार्टीक वरिष्ठ नेता आ बांका संसदीय क्षेत्रक सांसद गिरधारी यादव कें कारण बताउ नोटिस जारी कएल गेल अछि। ई नोटिस हुनका द्वारा बिहार मे चलि रहल वोटर वेरिफिकेशन प्रक्रिया कें लए कए देल गेल बयानक प्रतिक्रियास्वरूप देल गेल अछि। उक्त बयान मे सांसद गिरधारी यादव चुनाव आयोग कें लए कए कहने छलाह जे आयोग कें व्यावहारिक ज्ञान नहि अछि, आयोग कें नहि बिहारक इतिहासक जानकारी अछि आ नहि भूगोलक।
पार्टीक दिस सं जारी नोटिस मे कहल गेल अछि जे बिहार मे चलि रहल विशेष गहन पुनरीक्षण अभ्यास जेकां संवेदनशील मुद्दा पर, विशेष कए कए चुनावी वर्ष मे, सांसद गिरधारी यादव द्वारा देल गेल सार्वजनिक टिप्पणी सं पार्टी केँ शर्मिंदगी झेलए पड़ल अछि। संगहि, एहि तरहक बयान अनजाने मे विपक्ष द्वारा लगाओल गेल निराधार आ राजनीति सं प्रेरित आरोप कें सेहो बल दैत अछि। एहेन स्थिति मे पार्टी हुनका सं 15 दिनक अंदर स्पष्टीकरण देबाक निर्देश देलक अछि।



