कमतौल (दरभंगा), समदिया
थाना क्षेत्रक गंज रघौली वार्ड संख्या-10 निवासी अशोक रायक पुत्र प्रशांत कुमार ठगीक शिकार भेल छथि। ओ कमतौल थाना मे आवेदन दैत 8571820961 नंबर सं मोबाइल पर कॉल क’ लगभग 63,998 टाका ठकि लेल जायबाक आरोप लगेलनि अछि।
प्रशांत कुमारक अनुसार, 9 मई के साँझ करीब सात बजे उक्त मोबाइल नंबर सं फोन आयल। कॉलर कहलनि जे हम अहाँक पिता जीक दोस्त छी, लिय’ अहाँ अपन पिता सं बात करू। फोन पर वास्तव मे पिता जीक आवाज सुनि ओ ठकक झाँसामे आबि गेलाह। तत्पश्चात् प्रशांत सं दस-दस हजार क’ तीन ट्रांजेक्शन, 32,999 टाका आ 999 टाका क’ एक-एक ट्रांजेक्शन करवायल गेल।
ठकिक पछाति, कॉलर मोबाइल बंद क’ लेलक। जखन प्रशांत अपन असल पिता जीक मोबाइल नंबर पर कॉल कएलनि, त’ ओ एहि बात सं अनभिज्ञता प्रकट केलनि। तखने प्रशांत कें ठगी होयबाक बोध भेल। तत्क्षण ओ 1930 नंबर पर कॉल क’ अपन खाता फ्रीज करबौलनि आ थाना मे लिखित शिकायत दर्ज करौलनि।
पुलिस मामिला कें गंभीरता सं ल’ क’ अनुसंधान प्रारंभ क’ देने अछि। स्थानीय लोक सभ कें साइबर ठगी सं सजग रहबाक अपील सेहो कैल जा रहल अछि।



