सहरसा, समदिया
अखिल भारतीय साहित्य परिषद, सहरसा द्वारा प्रादेशिक अधिवेशन आ इकाईक स्थापना दिवस समारोह 17 अगस्त कें पूरब बाजार स्थित राम-जानकी ठाकुरबाड़ी चौधरी सभागार मे आयोजित कएल जायत। एहि संबंध मे परिषदक अध्यक्ष अवधेश कुमार झा ‘अवध’ जानकारी दैत कहलनि जे बिहारक सभ जिलासं 60 सं अधिक साहित्य साधक एहि समारोह मे भाग लेता। संगहि सहरसा जिलाक 50 सं बेसी स्थानीय साहित्यकार सेहो अधिवेशन आ स्थापना दिवस मे सहभागी होयताह।
समारोहक पहिल सत्र मे इकाईक स्थापना दिवसक आयोजन होयत, जाहि मे अनेक साहित्य साधक कें कविवर पंडित चंदा झा साहित्य सम्मान सं सम्मानित कएल जायत। दोसर सत्र मे भारतीय पर्व कथा मे साहित्यक योगदान विषय पर विशेष व्याख्यान आयोजित होयत। तेसर आ अंतिम सत्र मे भव्य कवि सम्मेलन कऽ आयोजन होयत। कार्यक्रमक समन्वय महासचिव आनन्द झाक नेतृत्व मे आ अन्य समस्त सदस्य लोकनिक सहयोग सं तैयारी अंतिम चरण मे अछि। समस्त जिलावासी साहित्य प्रेमीजन केँ एहि गरिमामय आयोजन मे सहभागी बनेबाक हेतु सादर आमंत्रित कएल गेल अछि।
उल्लेखनीय अछि जे राष्ट्रवादी चिंतन पर आधारित साहित्य परिषदक शाखा देशक प्रायः सभ राज्य मे विद्यमान अछि, जतए साहित्यकार अपन रचना द्वारा देशभक्ति, मातृभूमि, आ अतीतक गौरव पर आधारित साहित्यिक विमर्श सं राष्ट्र जागरण मे समर्पित छथि। संगहि, क्षेत्रीय भाषा, लिपि, गद्य-पद्यक निरंतर सृजन द्वारा आंचलिक साहित्यक संवर्धन सेहो होइत अछि।



