जनकपुरधाम, मिश्री लाल मधुकर
मधेश प्रदेश सरकारक सय दिन कार्यकाल पूरा भेला पर बुधदिन मशाला कॉटेजक सभागार मे पत्रकार सम्मेलनक आयोजन कायल गेल। पत्रकार सम्मेलन मे मुख्यमंत्री सतीश कुमार सिंह मधेश प्रदेश मे कयल गेल काज आ आगामी कार्य योजनाक बारे मे पत्रकार सब कें जानकारी देलनि। ओ कहलनि जे हुनकर कार्यकाल मे मधेश स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठान मे एमबीबीएस 50सीटक पढ़ाई होयत।
तहिना कृषि क्षेत्र मे किसानक लेल 16 टा कोल्ड स्टोरेज बनेबाक पहल कयल जा रहल अछि। पशु चिकित्सा अस्पताल कें सब गाम मे जा कए एकटा मोबाइल पशु चिकित्सा वाहनक व्यवस्था कयल जायत। मुख्यमंत्री सतीश कुमार सिंह कहलनि जे, राम जानकी अंतरराष्ट्रीय रंगशालाक डीपीआर तैयार भए गेल अछि। एकर निर्माणक बाद जनकपुरधाम मे अंतरराष्ट्रीय स्तरक खेल आ सार्क स्तरक खेलक आयोजन होयत। एहि सं जनकपुरधामक आओर विकास होयत। ओ कहलनि जे, मधेश सरकार पत्रकार लेल एक लाख रुपैयाक स्वास्थ्य बीमा आ दस लाख रुपैयाक दुर्घटना बीमा लागू करय जा रहल अछि।
मुख्यमंत्री सतीश कुमार सिंह कहलनि जे मधेशक युवा नशाक शिकार भए रहल अछि, जे चिंताक विषय अछि, रोकबा लेल बिहार सरकारक संग पहल कैल जाएत आ जे नशा पीड़ित युवा छथि हुनका लेल सुधार केंद्रक आयोजन कैल जाएत। मधेश सरकार प्रत्येक नगरपालिकामे कम सं कम पांच किलोमीटर सड़क निर्माण करत। मधेश मे बढ़ैत अपराध रोकबाक लेल विशेष पहल करबाक प्रयास कएल जा रहल अछि। मधेश सरकार किसान कें सिंचाई आ खाद आ बीजक उपलब्धता सुनिश्चित करय पर विशेष ध्यान दए रहल अछि। पर्यावरणक रक्षा आ जंगलक विनाश सं बचाव लेल बेसी गाछ रोपय लेल टास्क फोर्सक गठन कएल जाएत। मधेश सरकार मधेशक मठ, मंदिर सरोवर आ मजारक विकास पर ध्यान दए रहल अछि। कार्यक्रम मे मधेश प्रदेशक मंत्रीगण, सब विभागक बरीय पदाधिकारी, महाधिवक्ता, नीति आयोगक उपाध्यक्ष आ सदस्यगण उपस्थित छलाह।



