17 C
London
Thursday, April 23, 2026

शराबंबदी वा गिरफ्तारी महोत्सव : शराबंबदी कानून अंतर्गत प्रति घंटा 18 व्यक्ति भए रहल गिरफ्तार

पटना, समदिया

बिहार मे वर्ष 2016 मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा शराबबंदी लागू भेलाक बाद सं 8 साल सं बेसी समय बिति चुकल अछि। शराबबंदी कानून अंतर्गत सरकारक दावा छल जे राज्य कें नशामुक्त आ अपराधमुक्त बनेबाक प्रयास कैल जाएत। एहि क्रम मे पुलिस आ मद्य निषेध विभाग कठोर कार्रवाई कए हजारो गोटे कें गिरफ्तार करैत रहल अछि। तथापि शराबबंदी लागू भेलाक बादो राज्य मे शराबक तस्करी आ सेवन बंद हेबाक नाम नहि लए रहल अछि। एकर प्रमाण सरकार द्वारा जारी आंकड़ा अछि।

आंकड़ा की कहैत अछि

बिहार सरकार द्वारा शराबबंदी कें लए कए आंकड़ा जारी कैल गेल अछि। एहि आंकड़ाक अनुसार 8 साल मे कुल 12,79,387 लोक कें शराबबंदी कानून अंतर्गत गिरफ्तार कैल गेल अछि। एहि मे मद्य निषेध विभाग द्वारा 5,43,326 आ पुलिस विभाग द्वारा 7,36,061 गिरफ्तार कैल गेल अछि। एकर अलावा शराबबंदी कानूनक उल्लंघन सं जुड़ल 8,43,907 मामला दर्ज कैल गेल अछि, जे 3,70,814 मामला मद्य निषेध विभाग आ 4,73,093 मामला पुलिस विभाग द्वारा दर्ज कैल गेल अछि।

एहि तरहें बुझी आंकड़ा कें

जं एहि आंकड़ा कें विभाजित कए देखल जाय तं सब मास औसतन लगभग 12,794 लोक कें गिरफ्तार कैल गेल अछि। प्रतिदिन करीब 426 लोकक गिरफ्तारीक मतलब ई अछि कि राज्य में प्रति घंटा लगभग 18 लोक कें शराब सं जुड़ल मामला मे पकड़ल जा रहल अछि। एहि सं बिहारक पुलिस आ मद्य निषेध विभागक काज देखाइ पड़ैत अछि। मुदा प्रश्न उठैत अछि जे एतेक गिरफ्तारीक बादो कथित रूप सं होम डिलीवरी कियैक भए रहल अछि? ओ के अछि जे पुलिसक पकड़ सं दूर अछि?

वाहनक नीलामी सँ राजस्व प्राप्ति

सरकार द्वारा जारी आंकड़ाक अनुसार अखन धरि कुल 5 लाख 20 हजार लोक कें शराबबंदी मामला मे कोर्ट सं सजा दियाओल गेल अछि। शराबबंदी सं जुड़ल मामला मे कुल 1,24,658 वाहन जब्त कैल गेल अछि। एहि वाहनक नीलामी सं सरकार कें 327 करोड़ टाकाक प्राप्ति भेल अछि। 6 सालक दौरान कुल 3 करोड़ 46 लाख 61 हजार 723 लीटर शराब जब्त कैल गेल अछि। अगस्त 2024 धरि विभाग द्वारा 3 करोड़ 38 लाख 22 हजार 56 लीटर शराब नष्ट कैल जा चुकल अछि।

वर्जन

शराबबंदी कें सफल बनेबाक लेल 41 ड्रोन काज कए रहल अछि। विभाग द्वारा 2500 एकड़ अफीमक खेती नष्ट कैल गेल अछि। 6 सालक दौरान कुल 234 शराब माफिया पकड़ल गेल अछि। 8 सालक दौरान कुल 266 लोकक मौत विषाक्त शराब पीबाक कारण भेल अछि। – विनोद सिंह गुंजियाल, मद्य निषेध विभागक सचिव।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here