मधुबनी, समदिया
रहिका थाना क्षेत्रक मजरही फाटक लग स्थित सहायक कमला नदी मे पछिला दिन दूपहर तीन किशोरीक डूबला सं दर्दनाक मृत्यु भ’ गेल। घटना ओहि समय भेल जखन किछु बचिया खेत दिस जा रहल छल आ मस्ती-मजाकक क्रम मे नदी मे छलांग लगा देलक। एहि दौरान रानी परवीन (13), आसरीन परवीन (13) आ नाफिया खातून (12) गहिर पानि मे डूबय लगली। संग गेल आन लड़की शोर मचेलनि, त’ स्थानीय ग्रामीण तत्परता देखबैत नदी मे कूदि तीनू कें बाहर निकाललनि।
ग्रामीण तत्काल बच्चीसभ कें गंभीर अवस्था मे पीएचसी रहिका ल’ गेल, मुदा अस्पताल मे ऑक्सीजन आ पर्याप्त चिकित्सकीय सुविधा नहि रहबाक कारण हुनका बचाओल नहि जा सकल। डाक्टर तीनू कें मृत घोषित केलक। मृत बच्चीसभक पहचान रानी परवीन (पिता – मो. इसराइल), आसरीन परवीन (पिता – अब्दुल नदाफ) आ नाफिया खातून (पिता – मो. मुस्ताक) रूपे भेल अछि। एहि घटना सं पूरा इलाका मातम मे डूबल अछि।
दुर्घटना सं आक्रोशित ग्रामीण पीएचसी रहिका कें बदहाल व्यवस्था आ लापरवाहीक खिलाफ सड़क पर उतरि गेल। रहिका–दरभंगा मुख्य मार्ग कें जाम क’ देल गेल। ग्रामीणक आरोप छल जे अस्पताल मे मात्र एक डॉक्टर मौजूद छलाह आ ऑक्सीजन सन बुनियादी सुविधा सेहो नहि छल। समय पर समुचित इलाज भेटति त’ बच्चीसभक जान बचि सकैत छल।
सूचना पर रहिका थाना प्रभारी आ अंचलाधिकारी सुरेश कुमार घटनास्थल पर पहुँचलाह आ लोक कें बुझेबाक कोशिश केलनि, मुदा ग्रामीण पीएचसी प्रभारी पर कार्रवाई आ अस्पतालक व्यवस्था सुधारक मांग पर अड़ल रहलाह।
जिप सदस्य उमर अंसारी सेहो अस्पताल प्रशासन पर लापरवाहीक आरोप लगेलनि। ओ कहलनि जे जं ऑक्सीजन उपलब्ध रहैत त’ बच्चीसभ एखन जीवित रहितथि। डॉ. अभिषेक कुमार जनौलनि जे एक बचिया मृत अवस्था मे लाओल गेल छल, जखनकि दोसर दुनू कें सेहो मृत घोषित केल गेल।
घटनाक बाद अनुमंडल पदाधिकारी चंदन झा आ अनुमंडल पुलिस पदाधिकारी अमित कुमार मौका पर पहुँचि पीड़ित परिजन सं भेट केलनि आ 4-4 लाख टाका आर्थिक मुआवजा संग सभ संभव सहायता देबाक आश्वासन देलनि। प्रशासनिक हस्तक्षेपक बाद सड़क जाम खत्म भेल आ स्थिति सामान्य भेल।



