13.6 C
London
Friday, April 17, 2026

5 गेंदमे लगातार 5 विकेट… मैचमे 9 शिकार

 क्रिकेट इतिहास मे पहिल बेर एहन कारनामा

बीसीए कालाहारी महिला टी20 टूर्नामेंटमे एक चौंकाबय बला घटना सामने आएल अछि। एहि मैचमे एकटा टीम मात्र 13 रन पर ऑलआउट भए गेल। एकर मुख्य कारण 21 वर्षक गेंदबाज रहल छथि। ओ मैचमे कुल 9 बल्लेबाजके आउट कए क्रिकेट इतिहासमे पहिल बेर एहन उपलब्धि हासिल कएलनि। ओ मैच दौरान 5 गेंदमे लगातार 5 विकेट सेहो लेलनि, जे बहुत कम देखल जाइत अछि।

3 ओवरमे 9 विकेट

बीसीए कालाहारी महिला टी20 टूर्नामेंटक 14म मैचमे ब्राजील आ लेसोथो बीच मुकाबला भेल। एहि मैचमे ब्राजीलक तेज गेंदबाज लॉरा कार्डोसो टी20आई क्रिकेटमे अनोखा उपलब्धि हासिल कएलनि। ओ एक्के पारीमे 9 विकेट लेलनि, जे पुरुष आ महिला दुनू टी20आई इतिहासमे पहिल बेर देखल गेल अछि। एहि सं पहिने पुरुष टी20आईमे भूटानक सोनम येशे 8 विकेट लेलनि, जखनकि महिला टी20आईमे इंडोनेशियाक रोहमालिया 7 विकेटक रिकॉर्ड रहल। लॉरा एहि दुनू रिकॉर्डके पछाड़ि देलनि।

5 गेंदमे लगातार 5 विकेट

मैचमे ब्राजील पहिने बल्लेबाजी करैत 202 रन बनौलनि। जवाबमे लेसोथो टीम नीक जकां  ढहि गेल आ मात्र 13 रन पर सिमटि गेल। पूरी पारी मात्र 6.2 ओवरमे समाप्त भ’ गेल। एहि दौरान लॉरा कार्डोसो क गेंदबाजी जबरदस्त रहल। ओ अपन ओवरक अंतिम 3 गेंदमे विकेट ल’ क हैट्रिक पूरा कएलनि, आ अपन अगिला ओवरक पहिल 2 गेंदमे विकेट ल’ क लगातार 5 गेंदमे 5 विकेट लेलनि। ओ अपन दोसर ओवरमे कुल 4 विकेट लेलनि आ तेसर ओवरमे दू आ विकेट ल’ क कुल 9 विकेट पूरा कएलनि। एहि प्रदर्शन सं ब्राजील 189 रन सं मैच जीतल।

पहिनहिहो चर्चा मे रहल छथि लॉरा कार्डोसो

ई प्रदर्शन ब्राजील महिला क्रिकेट लेल बहुत खास अछि। लॉरा पहिनहियो 2021 मे 16 वर्षक उम्रमे ब्राजील लेल टी20आईमे हैट्रिक लेनिहार पहिल खिलाड़ी बनि चुकल छथि। एखन एक पारीमे 9 विकेट ल’ क ओ विश्व क्रिकेटमे अपन नाम दर्ज कएलनि। एहि टूर्नामेंटमे सभ एसोसिएट टीमसभ हिस्सा ल’ रहल अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here