9.7 C
London
Monday, April 27, 2026

सिद्धपीठ उग्रतारा मंदिर मे 50 लाखक हेराफेरी, पूर्व सचिव आ ट्रेजरर पर एफआइआर

सहरसा, समदिया

मंदिर एक पवित्र स्थल मानल जाइत अछि, जतय खराब विचारक लोक सेहो अपन खराबी छोड़ि दैत छथि। ई मान्यता अछि जे भगवानक नाम पर कियो गलती नहि करैत अछि। मुदा सहरसाक सिद्धपीठ उग्रतारा मंदिर सं संपत्तिक गबनक मामला सामने आयल अछि। आरोप ओहि लोक पर लागल अछि जे पहिने मंदिरक कमिटी मे पदाधिकारी छलाह। एहि संबंध मे वर्तमान सचिव द्वारा एफआईआर दर्ज कराओल गेल अछि आ पुलिस पूरा मामलाक जांच कए रहल अछि।

सहरसाक महिषी स्थित सिद्धपीठ उग्रतारा मंदिरक न्यास कमिटीक सचिव केशव कुमार महिषी थाना मे आवेदन देलनि, जतय ओ पूर्व सचिव आ कोषाध्यक्ष सहित किछु लोक पर 50 लाख सं बेसीक दानक सामानक गबनक आरोप लगेलनि। एफआईआर मे मांग कएल गेल अछि जे मामलाक समुचित जांच हो आ दोषी सभक विरुद्ध कठोर कार्रवाई हो। सचिव केशव कुमारक कहब अछि जे लगभग 50 लाखक दान सामग्रीक हेराफेरी भेल अछि।

एहि मामला मे पूर्व सचिव पीयूष रंजन मिश्र सभ आरोप सं इनकार कएलनि अछि। ओ कहलनि जे हुनका पर लगाओल गेल आरोप झूठ आ मनगढ़ंत अछि। ओ विश्वास व्यक्त कएलनि जे जांचक बाद सब किछु स्पष्ट भए जायत।

वर्तमान सचिव केशव कुमारक आरोप अछि जे न्यास कमिटीक पूर्व सचिव पीयूष रंजन मिश्र, कोषाध्यक्ष माणिक चन्द्र झा आ पंडा कन्हैया झा कोष मे जमा 50 लाख सं बेसीक सामग्रीक गबन कएलनि। ओतेबे मात्र नहि, पूर्व सचिव ओहि समय चार्ज सेहो नहि देलनि। प्रशासनक हस्तक्षेप करबाय पड़ल आ ताला तोड़ि चार्ज हस्तगत कराओल गेल आ एहि प्रक्रियाक वीडियोग्राफी सेहो कराओल गेल।

दर्ज केसक अनुसार, दानक ढाई लाखक चन्द्रहार, एक लाख रुपैयाक सोनाक माला, 50 हजारक चांदीक थारी, 30 हजारक चांदीक प्लेट, 5 लाखक चांदीक रत्नयुक्त मुकुट आ अन्य कतेको जेवर आ सोलर लाइटक बैट्री बेचबाक आरोप अछि। महिषी थानाध्यक्ष अमरनाथ कुमार जनतब देलनि जे केस दर्ज कए लेल गेल अछि आ मामलाक जांच चलि रहल अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here