हाजीपुर, समदिया
वैशाली में कांवर यात्राक क्रम मे डीजे गाड़ी हाई टेंशन तारक चपेट मे आबि गेल, जाहि कारण 9 कांवरियाक मौत भए गेल। आधा दर्जन सं बेसी लोक घायल अछि। वैशालीक हाजीपुर औद्योगिक थाना क्षेत्रक ई घटना अछि। सुल्तानपुर गाम मे रहनिहार एक दर्जन सं बेसी युवा बोलबम जा रहल छलाह। डीजे ट्रॉली लए कए सारणक पहलेजा घाट जा रहल छल। सोनपुर बाबा हरिहरनाथ पर गंगाजलक संग जलाभिषेकक योजना छल। अही क्रम मे ई दुर्घटना भेल।
एहि घटना मे एकटा नाबालिग सेहो मृतक मे शामिल अछि। स्थानीय लोकक अनुसार डीजे ट्रॉली मे गीत बजबैत सब कांवरिया उत्साहपूर्वक सुल्तानपुर गाम सं बाहर निकलल। सड़क पर किछु दूर गेलाक बाद डीजे ट्रॉलीक ऊपरी हिस्सा सड़कक कात मे 11000 वोल्टक बिजलीक तार मे फंसि गेल। 8 गोटेक मौका पर मौत भए गेल। एकटा आओर व्यक्तिक इलाजक क्रम मे मौत भए गेल। हालांकि प्रशासन एखन धरि मात्र 8 गोटेक मौतक पुष्टि केलक अछि मुदा ग्रामीणक दावा अछि जे 9-10 लोकक मौत भए गेल अछि।
एहि संबंध मे सदर एसडीपीओ ओमप्रकाश बतौलनि जे कांवरिया औद्योगिक थाना अंतर्गत सुल्तानपुर गाम डीजे लए कए जा रहल छल। डीजे गाड़ीक लाउडस्पीकर काफी ऊंच छल। सड़क पर 11 हजार वोल्टक तार चलैत छल। डीजे ओहि मे सटि गेल। एहि घटना मे 8 गोटेक मौत भए गेल। किछु आओर घायल अछि आ ओकर इलाज चलि रहल अछि। मृतकक पोस्टमार्टम भए रहल अछि। आगूक कार्रवाई कएल जाएत।
स्थानीय सुजीत पासवान कहलनि जे, 8 सं 10 लड़का बोलबम लेल विदा भेल छल। दुर्घटना भेला पर ट्रॉली मे 4 सं 5 लड़का छल। अही क्रम मे करंट लागि गेल। जहिना आन युवक सब कें पता चलल तं ओ सब ओकरा सब कें बचेबा लेल दौड़ल। एहि कारण सं सब कें करंट लागि गेल। 9-10 गोटेके मृत्यु भेल अछि। पहिने ओतय आठ गोटेक मौत भेल, फेर अस्पताल मे दू गोटेक मौत भए गेल।
मृतकक पहिचान रवि कुमार, पिता धर्मेन्द्र पासवान, राजा कुमार, पिता स्वर्गीय लाला दास, नवीन कुमार, पिता स्वर्गीय फुडेना पासवान, अमरेश कुमार, पिता सनोज भगत, अशोक कुमार, पिता मंटू पासवान, कालू कुमार, पिता परमेश्वर पासवान, आशी कुमार, पिता मिंटू पासवान आ चंदनक रूप मे कयल गेल अछि। घायल मे राजीव कुमार (17), पिता उमेश पासवान सहित तीन गोटे शामिल छथि।



