17 C
London
Thursday, April 23, 2026

घरक बाहर खेल रहल बच्चा कें चक्कू घोपि निकालि देलक आंत, मौत

मुजफ्फरपुर, समदिया

मुजफ्फरपुर मे घरक बाहर खेलि रहल तीन सालक बच्चाक हत्याक मामला सामने आयल अछि। ई घटना दिघराक दास टोला मे मंगलदिन सांझ भेल। आरोपी युवक मासूम शाहिलक पेट मे चक्कू घोंपि देलक, जाहि सं ओकर आंत बाहर आबि गेल। गंभीर रूप सं घायल साहिल इलाजक दौरान अस्पताल मे दम तोड़ि देलक। पुलिस आरोपी युवक विजय झा (25) कें गिरफ्तार कए लेलक अछि। ओ नशेड़ी आ सनकी कहल जा रहल अछि।

पुलिस ओहि चक्कू कें सेहो जब्त कए लेलक अछि जाहि सं बच्चाक हत्या कएल गेल। जनकारीक अनुसार साहिल मंगलदिन सांझ मे अपन घरक बाहर अन्य बच्चा सभक संग खेलि रहल छल। आरोपी विजय ओतय आयल आ मासूमक पेट मे चक्कू घोंपि देलक। अन्य बच्चा सभ हल्ला केलक तं लोक जुटल। बच्चाक पिता शंकर दास आ परिवारक सदस्य ओकरा सदर अस्पताल लए गेल। ओतय सं ओकरा एसकेएमसीएच रेफर कए देल गेल, जतय इलाजक दौरान शाहिल दम तोड़ि देलक।

एसडीपीओ विनीता सिन्हा कहलनि जे लोकसभक अनुसार आरोपी स्मैकिया अछि। ओ पहिले सेहो मोहल्लाक लोकसभ पर हमला कए चुकल अछि। ओ बच्चाक हत्या कियैक केलक, ई पूछताछक बादे खुलासा होयत।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here