दरभंगा, समदिया
समस्तीपुर मंडल वर्ष 2025-26 मे रेल सुरक्षा, आधारभूत संरचना विकास, परिचालन दक्षता आ यात्री सुविधाक क्षेत्र मे महत्वपूर्ण उपलब्धि हासिल कए नव कीर्तिमान स्थापित कएने अछि। ई उपलब्धि मंडलक सभ विभागक अधिकारी आ कर्मचारीक समर्पित प्रयासक परिणाम मानल जा रहल अछि। इंजीनियरिंग विभागक नेतृत्व मे संरक्षा उन्नयनक कतेको लक्ष्य पार कएल गेल अछि। स्क्रैप निपटान मे 9020 मीट्रिक टनक रिकॉर्ड बनाओल गेल अछि, जे आब धरिक सर्वोच्च अछि। ओहि संग पूर्ण ट्रैक नवीनीकरणक तहत 85.22 किलोमीटर कार्य पूरा कएल गेल अछि।
ट्रैकक गुणवत्ता बढ़ेबा लेल 227.76 किलोमीटर प्लेन ट्रैकक डीप स्क्रीनिंग कएल गेल, जखन कि टर्नआउट्स नवीनीकरण मे 1998 इकाइ पर कार्य कए उल्लेखनीय प्रगति दर्ज कएल गेल। संरक्षाक क्षेत्र मे थिक वेब स्विच लगाबय मे 15 क लक्ष्य के मुकाबला 29 कार्य पूरा कएल गेल। प्लेन ट्रैक टैम्पिंग मे 1910 किलोमीटर क लक्ष्य के विरुद्ध 2116.73 किलोमीटर कार्य कएल गेल। थ्रू फिटिंग रिन्यूअल मे 100 किलोमीटर के बदला 125.121 किलोमीटर आ लेवल क्रॉसिंग बंद करबा मे 15 के जगह 17 कार्य सफलतापूर्वक पूरा कएल गेल। आधुनिक रेल संचालन लेल समस्तीपुर मे विश्वस्तरीय, अत्याधुनिक आ केंद्रीकृत वातानुकूलित ट्रैफिक कंट्रोल भवन बनाओल गेल अछि, जे परिचालन के आओर सुदृढ़ बनाओत। कर्मचारी सुविधा लेल 10 शैय्या वाली महिला बैरक, मंडलक पहिल स्टाफ रेस्ट हाउस आ 50,000 गैलन क्षमता वाला आरसीसी जल टैंक बनाओल गेल अछि। एकरा संग रेलवे कॉलोनी मे आवासीय क्वार्टर, ट्रांजिट हाउस आ सड़कक सुधार कार्य सेहो कएल गेल अछि। सुरक्षा सुदृढ़ीकरण क तहत राधोपुर आ कपरपूरा यार्ड मे रोड ओवर ब्रिज आ सहरसा आ लहेरियासराय यार्ड मे लाइट आरओबी बनाओल गेल अछि। जुब्बासह्नी आ परमजीवर ताराजिवरक बीच लेवल क्रॉसिंग बंद कए लिमिटेड हाइट सुबवे बनाओल गेल अछि, जाहि सं रेल आ सड़क यातायात दुनू मे सुरक्षा बढ़ल अछि। यात्री सुविधा आ स्वास्थ्य सेवा सुधार लेल मंडल अस्पताल क ऑपरेशन थिएटर आ महिला वार्ड क नवीनीकरण कएल गेल अछि। संगहि वीआईपी लाउंज, स्टाफ कैंटीन, सामुदायिक भवन आ अन्य परिसरक सौंदर्यीकरण सेहो कएल गेल अछि। पर्यावरण संरक्षण लेल समस्तीपुर मे जल पुनर्चक्रण संयंत्र (वॉटर रेसाइकिलिंग प्लांट ) सफलतापूर्वक शुरू कएल गेल अछि।



