दरभंगा, समदिया
प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी द्वारा आगामी 20 अक्टूबर कें दरभंगा एयरपोर्टक सिविल एन्क्लेवक शिलान्यास करबाक खबरि सं जिलाक लोक मे खुशीक लहरि अछि। लोक नवका एयरपोर्ट सं विमान सभक परिचालन शुरू होयबाक प्रतीक्षा कए रहल छथि। जनतब दी जे अहलूवालिया कॉन्ट्रैक्ट्स कें दरभंगा एयरपोर्टक नवका सिविल टर्मिनलक निर्माणक ठेका देल गेल अछि। सांसद डॉ. गोपाल जी ठाकुर कहलनि जे नव टर्मिनल भवनक निर्माण कार्य दू बरखक भीतर पूरा कए लेल जाएत।
सांसद गोपाल जी ठाकुर कहलनि जे लगभग 54 एकड़ मे 912 करोड़क लागति सं नवका टर्मिनल भवनक निर्माण कएल जाएत। ओ कहलनि जे दरभंगा एयरपोर्टक नव सिविल एन्क्लेवक निर्माण सं यात्रीक सुविधा मे वृद्धि होयत। विस्तारित एप्रन मे एक संग 14टा विमानक पार्किंगक सुविधा होयत। विश्वस्तरीय नवका टर्मिनल भवन सहित अन्य संरचनाक निर्माण 78 एकड़ जमीन पर कएल जाएत।
जानि ली जे दरभंगा एयरपोर्टक स्थायी सिविल टर्मिनल 54 एकड़क क्षेत्र मे बनत, जे एनएच-27 सं जुड़ल रहत। एहि सं यात्री कें एयरपोर्ट धरि पहुंचय मे ट्रैफिक जामक सामना नहि करय पड़त। ओतहि, 24 एकड़ जमीन पर रनवे बनाओल जाएत। राति आ कुहासाक समय विमान सभक आवागमन मे सुविधा हेतु आईएलएस सिस्टम सेहो लगाओल जाएत। सांसद गोपालजी ठाकुर दरभंगा हवाई अड्डा पर पहुंचि कए पीएम केर शिलान्यास कार्यक्रमक तैयारीक लेल स्थल निरीक्षण कएलनि।
एहि मौका पर ओ कहलनि जे पीएम नरेंद्र मोदीक देन अछि जे हवाई चप्पल पहिरय वला लोकक हवाई जहाज पर यात्रा करबाक सपना पूरा भए रहल अछि। एहि अवसर पर मंत्री हरि सहनी, राज्यसभा सांसद डॉ. धर्मशीला गुप्ता, डीएम राजीव रौशन, दरभंगा हवाई अड्डाक कार्यकारी निदेशक पार्थ साहा, उप महा प्रबंधक मनोज सिंह, उप महाप्रबंधक आईटी मुकेश कुमार, भाजपा नेता उदयशंकर चौधरी, पारसनाथ चौधरी, कृष्ण भगवान झा, माधव आजाद, पिंटू झा, विकास, विवेक चौधरी, आ आशुतोष झा सभ उपस्थित छलाह।



