सुपौल, समदिया
जिलाक त्रिवेणीगंज थाना क्षेत्रक त्रिवेणीगंज बाजार मे स्थित एकटा निजी स्कूल मे बुधदिन भोर मे एकटा लड़का तेसर कक्षाक छात्र कें गोली मारि देलक। घटनाक बाद सब कियो चौंक गेल अछि। जानकारीक अनुसार जाहि बच्चा कें गोली मारल गेल, ओ सेहो अही स्कूल मे पढ़ैत अछि।
गोली छात्रक बामा हाथक आरपार भए गेल अछि। फायरिंगक घटनाक बाद स्कूल मे भगदड़ मचि गेल। स्कूलक आन-आन बच्चा सभ एम्हर-ओम्हर दौड़य लागल। लहुलुहान बच्चा कें तुरंत अनुमंडलीय अस्पताल पहुंचाओल गेल, जतय बच्चाक इलाज चलि रहल अछि। डॉक्टरक अनुसार बच्चाक हालति खतरा सं बाहर अछि।
घटनाक संबंध मे बताओल जा रहल अछि जे त्रिवेणीगंज नगर परिषदक वार्ड नंबर 16 मे स्थित एकटा निजी स्कूल मे 12 वर्षीय छात्र स्कूल पहुंचल छल। जेकरा क्लासक ही दोसर लड़का गोली मारलक। घटनाक बाद गोली मारय वाला लड़का मौका सं भागि गेल, ओकर पहिचान भए गेल अछि। सूत्रक अनुसार गार्डक 6 वर्षीय बेटा (नर्सरी क्लास) अपन पिताक पिस्तौल सं फायरिंगक घटना कें अंजाम देलक अछि। कहल जा रहल अछि जे आरोपी लड़का सेहो ओही स्कूलक छात्र अछि। घटनाक जानकारी भेटला पर पुलिस मौका पर पहुंचल आ जांच शुरू कए देलक। स्कूल लग त्रिवेणीगंज-अररिया मुख्य सड़क कें जाम कए आक्रोशित लोक विरोध केलक। पुलिस आक्रोशित लोक समझा-बुझा कए मामला कें शांत करा देलक अछि।
घटनाक संबंध मे त्रिवेधीगंज थानाध्यक्ष रामसेवक राउत कहलनि जे एकटा स्कूल मे बच्चाक बामा हाथ मे गोली लागल अछि। घायल बच्चाक उपचार चलि रहल अछि आ आरोपी बच्चाक तलाश कयल जा रहल अछि।
बच्चा लग कतय सं आयल हथियार?
एहि मामला मे सब सं आश्चर्यक बात ई जे एतेक छोट बच्चा लग पिस्तौल छल, आ ककरो लग एकर कोनो सुराग धरि नहि छल। हथियार बच्चा धरि कोना पहुंचल? स्थानीय लोकक अनुसार पहिने गोलीबारी करय वाला छात्रक पिता एहि स्कूल मे गार्डक काज करैत छल। एहि घटना पर घायल छात्रक परिवारक लोक कहलनि जे स्कूलक प्रिंसिपल हुनका लोकनिक बच्चा कें गोली मारबाक सूचना देलनि। कहलनि जे अस्पताल आबि जाउ। आरोपी छात्रक पिता कें सेहो जानकारी देल गेल। ओहो तुरंत स्कूल पहुंचि गेल। आरोपीक पिता आनन-फानन मे टेबुल पर राखल पिस्तौल उठा लेलक आ अपन बेटाक संग दीवार तड़पि कए भागि गेल।



