16.6 C
London
Friday, April 17, 2026

बिहार मे नव सरकार गठन पर हलचल तेज, दू दिन अहम, मुख्यमंत्री नाम पर सस्पेंस बरकरार

पटना। बिहार मे नव सरकार गठन कें ल’ क’ बैठकक दौर जारी अछि। एहि बीच आगामि दू दिन अत्यंत महत्वपूर्ण मानल जा रहल अछि। एखन धरि नव मुख्यमंत्रीक नाम पर संशय बनल अछि। संभावना अछि जे मंगल दिन एनडीए विधायक दलक बैठक मे नाम पर मुहर लगला बादे नव मुख्यमंत्रीक घोषणा होएत।

एनडीए अपन सभ विधायक कें 14 आ 15 अप्रैल कें पटना मे रहबाक निर्देश देलक अछि। विधायक सभ के कहल गेल अछि जे एहि दू दिन पटना सं बाहर नहि जाउ। भाजपा केंद्रीय मंत्री शिवराज सिंह चौहान कें केंद्रीय पर्यवेक्षक नियुक्त कएल गेल अछि, जे 14 अप्रैल कें पटना पहुंचताह। हुनकर दिशा-निर्देशन मे भाजपा विधायक दलक बैठक होएत। भाजपा मंगल दिन दुपहर 2 बजे बैठक बजौने अछि, एहि बाद जदयू विधायक दलक सेहो बैठक होएत। एहि सभ बैठकक बाद मुख्यमंत्रीक नाम पर स्थिति काफी हद धरि स्पष्ट भ’ सकैत अछि।

एहि दिन एनडीएक दोसर दल जकां लोजपा (रा), हिंदुस्तानी आवाम मोर्चा आ रालोमो विधायक दलक अलग-अलग बैठक सेहो होएत। अंत मे एनडीए विधानमंडल दलक बैठक होएत, जाहिमे नव मुख्यमंत्रीक नाम पर अंतिम मुहर लगत।

एहि बीच मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मंगल दिन पूर्वाह्न 11 बजे मंत्रिमंडल बैठक बजौलनि अछि। कहल जा रहल अछि जे एहि बैठकक बाद ओ लोक भवन जा क’ राज्यपाल कें अपन इस्तीफा सौंप देताह।

ओतहि नव सरकार गठन कें ल’ क’ लगातार राजनीतिक बैठक जारी अछि। जदयू वरिष्ठ नेता आ केंद्रीय मंत्री ललन सिंह, राष्ट्रीय कार्यकारी अध्यक्ष संजय कुमार झा, मंत्री जमा खान सहित कतेको नेता मुख्यमंत्री आवास पहुंचलाह। मंत्री जमा खान कहलनि जे मंगल आ बुध दिन मे सभ काज पूरा भ’ जायत। ओ कहलनि जे मंगल दिन कैबिनेट बैठक अछि आ बुध दिन नव मुख्यमंत्रीक शपथ ग्रहण होबाक संभावना अछि।

राजधानी पटना मे सुरक्षा तैयारी सेहो तेज कएल जा रहल अछि। सड़क पर बैरिकेडिंग कएल जा रहल अछि, खास क’ एयरपोर्ट सं प्रमुख मार्ग धरि सुरक्षा कड़ी कएल जा रहल अछि। एहि सं संकेत अछि जे 15 अप्रैल कें होए वाला शपथ ग्रहण समारोह मे पैघ नेता सभ पटना पहुंचि सकैत छथि।

पटना जिलाधिकारी डॉ. एस.एम. त्यागराजन सोम दिन लोक भवन पहुंचि तैयारीक जायजा लेलनि। सूत्र अनुसार ओ शपथ ग्रहण समारोहक व्यवस्था के स्वयं निरीक्षण कएलनि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here