जयनगर, समदिया
जयनगर अनुमंडल मे पेट्रोल कमीक संबंध मे फैलि रहल अफवाहक बीच प्रशासन सख्त रुख अपनौने अछि। एहि क्रम मे अनुमंडल पदाधिकारी (एसडीओ) दीपक कुमार जयनगर प्रखंडक कमलाबाड़ी सहित कतेको पेट्रोल पंप सभक औचक निरीक्षण केलनि। ई कार्रवाई क्षेत्र मे तेलक कृत्रिम कमी पैदा करबाक आ पैघ कंटेनर मे अवैध रूप सं पेट्रोल वितरण होएबाक शिकायत कें ध्यान मे राखिल गेल।
निरीक्षण कए दौरान एसडीओ पेट्रोल पंप सभ पर उपलब्ध स्टॉक, ईंधनक डेंसिटी (गुणवत्ता) आ वितरण व्यवस्था कए गहन जांच केलनि। अधिकारी सभ प्रत्येक पहलू कें बारीकी सं परखलनि, जाहिसं ई सुनिश्चित कएल जा सकय जे उपभोक्ता सभ कें सही मात्रा आ उचित गुणवत्ता कए पेट्रोल भेटि रहल अछि। प्रशासनक मानब अछि जे किछु असामाजिक तत्व जानि-बूझि कए अफवाह फैला रहल अछि, जाहिसं लोक मे भ्रम आ घबराहट पैदा होइत अछि। एसडीओ दीपक कुमार स्पष्ट रूप सं कहलनि जे बिना उचित अनुमति पैघ ड्रम वा कंटेनर मे पेट्रोल देनाइ पूर्ण रूप सं प्रतिबंधित अछि। हुनका पेट्रोल पंप संचालक सभ कें कड़ा निर्देश देलनि जे ओ सभ सरकारक नियम आ दिशा-निर्देश कए सख्ती सं पालन करथि, नहि तं कानूनी कार्रवाई कएल जाएत। एहि संग प्रशासन आम जनता सं अपील केलक अछि जे कोनो तरहक अफवाह पर ध्यान नहि दिअ आ केवल आधिकारिक सूचना पर भरोसा करथि। लोकसभ कें ईहो कहल गेल अछि जे यदि कोनो संदिग्ध गतिविधि वा अनियमितता नजर आबय, तं ओकर सूचना तुरंत प्रशासन कें दिअ, जाहिसं समय रहते उचित कार्रवाई कएल जा सकय। एहि मामला मे प्रशासनक सक्रियता सं स्पष्ट संदेश गेल अछि जे आवश्यक वस्तु कए आपूर्ति संबंधी कोनो प्रकारक लापरवाही वा अफवाह बर्दाश्त नहि कएल जाएत। ई निरीक्षण अभियान क्षेत्र मे पारदर्शिता आ लोकक विश्वास कायम करबाक दिशा मे एक महत्वपूर्ण डेग मानल जा रहल अछि।



