मधुबनी, समदिया
मधुबनी जिलाक उमगांव मे सोमदिन भेल रील्स वीडियो गोली कांड मे 12 वर्षीय किशोर इंदल कुमारक मृत्युक बाद लोकक तामस चरम पर अछि। सोमदिन देर राति शव पहुंचिते चीख-पुकार मचि गेल। एहि घटना सं आक्रोशित ग्रामीण सभ मंगलदिन अहल भोरे अम्बेडकर चौक उमगांव मे एनएच 227 सड़क कें जाम कए देलनि आ शव कें सड़क पर राखि पुलिसक विरोध करय लागल। लोकक मांग अछि जे दोषीक जल्द सं जल्द गिरफ्तारी होअय आ मौतक बदला मे मौतक सजा देल जाय। संगहि दोषीक घर कें बुलडोजर सं ध्वस्त कैल जाए।
एहि सब मांग कें लए कए पीड़ित परिजन आ ग्रामीण सभ घंटो धरि शवक संग सड़क पर प्रदर्शन केलनि। सड़क जामक सूचना भेटिते हरलाखी थानाध्यक्ष जितेंद्र सहनी, अपर थानाध्यक्ष आदित्य कुमार, पीएसआई विश्वनाथ कुमार, पीएसआई सीमा कुमारी आ एएसआई मनीष कुमार अपन दल-बल संग जाम स्थल पर पहुंचलाह आ लोक सभ सं गपसप शुरू केलनि। बीडीओ रविशंकर पटेल आ सीओ रीना कुमारी सेहो घटनास्थल पर पहुंचलाह। बीडीओ मृतकक परिवारक आर्थिक स्थिति कें देखैत सरकारी योजना अंतर्गत लाभ दियेबाक आश्वासन देलनि आ सीओ विभागीय सहायता उपलब्ध करबाक भरोसा देलनि।
बहुत प्रयासक बाद करीब साढ़े तीन घंटाक गपसप सफल भेल आ सड़क जाम हटाओल गेल। थाना अध्यक्ष जनौलनि जे मृतकक मां सबिता देवीक बयान पर केस दर्ज कए लेल गेल अछि। किछु लोक कें हिरासत मे लए कए पूछताछ कैल जा रहल अछि आ आरोपी कें जल्द गिरफ्तार कैल जाएत।
जानकारीक अनुसार गामक गणेश साहक पुत्र शिवम कुमार (18) सोमदिन करीब तीन बजे अपन घरक छत पर दू गोट दोसर लड़का संग रील्स वीडियो बना रहल छल। शिवम इंदल कुमार (12) कें सेहो वीडियो बनेबाक लेल बजा लेने छल। सन्नी नामक तेसर लड़का, जे हरिने गामक छल, ओ वीडियो शूट कए रहल छल। एहि बीच शिवम सं गलती सं गोली चलि गेल आ इंदलक पेट मे लागि गेल, जकरा अस्पताल लए जाइत समय रस्ता मे इंदलक मृत्यु भए गेल। गोली चललाक बाद शिवम आ ओकर दोस्त सभ घटना स्थल सं फरार भए गेल।



