पटना, समदिया
राजधानी पटना सं एक अफगानी नागरिक द्वारा अपन मूल नागरिकता छिपा कए पासपोर्ट बनेबाक मामला प्रकाश मे आयल अछि। एहि मामला कें सामने अयलाक बाद रीजनल पासपोर्ट ऑफिसर ताविशी बहल पांडेय एसएसपी राजीव मिश्रा सं लिखित शिकायत कयलनि। शिकायतक बाद पटना गांधी मैदान थाना मे पुलिस केस दर्ज कए मामलाक जांच मे जुटि गेल अछि।
असल मे अफगानी नागरिक बली खान अपन नागरिकता नुका कए गेल साल पटना क्षेत्रीय पासपोर्ट कार्यालय सं पासपोर्ट बनाबय लेल छल। जब विदेश मंत्रालय बली खानक फोटो देखल, तं हुनका शंका भेल जे ओ भारतीय नागरिक नहि लगैत अछि। एहि कारणें जांच शुरू भेल आ आखिरकार विदेश मंत्रालयक रिपोर्टक आधार पर बली खानक पासपोर्ट रद्द कए देल गेल।
बली खानक पासपोर्ट 16 मार्च 2023 कें पटना पासपोर्ट कार्यालय सं जारी कयल गेल छल। शक भेला पर पासपोर्ट कार्यालय द्वारा कएल गेल जांच मे बली खानक अफगानी नागरिकता नुका कए पासपोर्ट बनेबाक जानकारी देल गेल।
टाउन डीएसपी 2, प्रकाश कुमारक अनुसार बली खान पर आईपीसीक धारा 467, 468, 471 तथा पासपोर्ट एक्टक अंतर्गत प्राथमिकी दर्ज कयल गेल अछि। पुलिस मामलाक सभ बिंदु पर जांच कए रहल अछि।
पटना सुपर मार्केट स्थित फ्लैट मे रहैत छल
आरोपक अनुसार, बली खान अपन नागरिकता नुका कए पटना निवासी होयबाक जानकारी आ आवश्यक दस्तावेज दए कए पासपोर्ट बनाबय लेल छल। ओ अपन पासपोर्ट आवेदन मे पत्ता फ्रेजर रोड, पटना सुपर मार्केट, बी ब्लॉक, फ्लैट नंबर 303 देने छल।
25 साल सं पटना मे रहि रहल छल
टाउन डीएसपी 2, प्रकाश कुमारक कहब अछि जे बली खान करीब 25 साल सं पटना मे रहि कए कपड़ाक कारोबार कए रहल छल। ओकर पिता जंगुल खान सेहो ओहि ठाम रहैत अछि। जांच मे ओकरा द्वारा पासपोर्ट लेल जमा कयल गेल आधार कार्ड आ अन्य दस्तावेज भेटल अछि।



