10.3 C
London
Thursday, April 16, 2026

बाहुबली अनंत सिंह विधायक पदक शपथ लेलाक बाद छूलथि मुख्यमंत्रीक पांव

जनसुराज नेता दुलारचंद यादवक हत्या आरोप में बेउर जेल में बंद छथि मोकामा विधायक

समदिया, मिथिला

मोकामाक बाहुबली अनंत सिंह मंगलदिन बिहार विधानसभा मे विधायक पदक शपथ लेलनि। जनसुराज नेता दुलारचंद यादवक हत्याक आरोप में राजधानी पटना स्थित बेउर जेल में बंद जदयू विधायक अनंत सिंह अदालत सं अनुमति भेटलाक बाद मंगलदिन कड़ी सुरक्षा व्यवस्थाक बीच बेउर जेल सं सीधा बिहार विधानसभा पहुंचलाह। ओतहि विधानसभा अध्यक्ष डॉ. प्रेम कुमार हुनका विधायक पदक शपथ देलनि।

शपथ लेलाक बाद कागजी प्रक्रिया पूरा कए अनंत सिंह सीधा मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक सीट लग पहुंचलाह आ हुनकर पाव छू कए आशीर्वाद लेलनि। दुनू बीच लगभग आधा मिनट तक गप भेल। एहि दौरान मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अनंत सिंह सं हाल-चाल पूछलनि। तकर बाद विधायक अनंत सिंह वापस अपन सीट पर जा कए बैस गेलाह।

वर्ष 2025 नवम्बर मे भेल बिहार विधानसभा चुनाव मे जदयू मोकामा सं बाहुबली अनंत सिंह कें टिकट देलक। एहि चुनाव में एक अन्य बाहुबली सुरजभान सिंहक पत्नी बीना देवी कें राजद अनंत सिंहक खिलाफ उम्मीदवार बनौने छल, जबकि प्रशांत किशोरक पार्टी जनसुराज पियूष प्रियदर्शी के उम्मीदवार बनौने छल।

दुलारचंद यादव चुनाव प्रचार में पियूष प्रियदर्शी संग घूमति रहल छलाह। एहि दौरान अनंत सिंह आ पियूष प्रियदर्शीक काफिला आमने-सामने भिड़ गेल। एहि भिड़ंत में पहिने पत्थरबाजी आ लाठी-डंडा चलल, फेर गोलीबारी भेल। एहि गोलीबारी में दुलारचंद यादवक मौत भऽ गेल।

एहि मामला में प्राथमिकी दर्ज भेलाक बाद पुलिस जांच में अनंत सिंह पर मौका-ए-वारदात पर मौजूद रहबाक कारण हत्याक आरोप लगाओल गेल आ पुलिस चुनावक बीचे हुनका मोकामा स्थित आवास सं गिरफ्तार कए लेलनि। एहि मामला में ओ फिलहाल बेउर जेल में बंद छथि। बाद में भेल मतदान में मोकामाक जनता अनंत सिंहक पक्ष मे मतदान कए हुनका विधायक चुनलक।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here