बेनीपुर, समदिया
बेनीपुर अनुमंडल मुख्यालय अवस्थित कर्पूरी सभा भवनक जीर्णोद्धार काजक बाद सभा भवनक लोकार्पण करैत स्थानीय विधायक प्रो. विनय कुमार चौधरी कहलनि जे पुरखाक विरासत कें सहेज कए राखनाइ मानव मात्रक काज थीक। एहि केर परिपेक्ष्यमे 90 क दशकमे बनल एहि सभा भवनक ऊंचीकारण, सौंदर्यीकरण आ चहर दीवारी निर्माणक संग-संग भव्य द्वारक निर्माण कराओल गेल अछि। ई सभा भवन सार्वजनिक कार्यक्रमक लेल सुलभ उपलब्ध रहत। ज्ञातव्य अछि जे एहि सभा भवनक निर्माण 2000 ई केर आसपास सुनिश्चित रोजगार योजना मद केर आधारभूत संरचना मद सं पूर्व विधायक अब्दुल बारी सिद्दीकीक अनुशंसा पर कयल गेल छल। ई सभा भवन देख – रेखक अभावमे जर्जर अवस्थामे पहुंचि गेल छल जकरा वर्तमान विधायक श्री चौधरी मुख्यमंत्री क्षेत्र विकास योजना अंतर्गत विधायक एच्छिक कोष सं लगभग 30 लाख टाकाक लागत सं ऊंचीकरण आ सौंदर्यीकरणक काज करवेलनि अछि। विधायक श्री चौधरी कहलनि जे बेनीपुर विधानसभा क्षेत्रमे पुरखाक विरासत के समहारबाक आ सम्मान देबाक काज निरंतर जारी अछि आ रहत। एहिये क्रममे अयाची मिथिला महिला महाविद्यालय परिसरमे बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री स्व० पंडित विनोदानंद झाक स्मृतिमे सभा भवनक निर्माण कयल गेल अछि जखनकि बहेड़ीमे पंडित हरिनाथ मिश्रक नाम पर सभागारक निर्माण करायल गेल अछि। अगिला चरणमे प्रखंड कार्यालय परिसरमे अशोक सम्राट भवनक निर्माण प्रारंभ कयल जायत जकर निविदा प्रक्रिया जारी अछि । एहि दौरान ओ कहलनि जे आबयवला पीढ़ी केर ई दायित्व बनैत छन्हि जे ओ अपन पुरखाक समुचित सम्मान देथु। एहि अवसर पर प्रो० चौधरी प्रखंड विकास पदाधिकारी प्रवीण कुमार के सभा भवन हस्तगत कराबैत एकर समुचित देखरेख करबाक निर्देश देलनि आ संगहि आम लोक के सार्वजनिक कार्यक्रम लेल सेहो न्यूनतम शुल्क पर उपलब्ध करेबाक निर्देश देलनि। एहि अवसर पर प्रखंड प्रमुख चौधरी मुकुन्द कुमार राय, जदयू प्रखंड अध्यक्ष कीर्ति मोहन झा, पूर्व उप प्रमुख प्रेम कुमार झा, जदयू नेता हरेकांत झा, ऋषभ कुमार, हंसिका कश्यप कुहू, सहित सैकड़ो लोक उपस्थित छलाह।



