सुपौल, समदिया
सुपौल जिलामे कोसी नदीक जलस्तर मे लगातार कमी दर्ज कयल जा रहल अछि, जाहि सं बाढ़ि पीड़ित लोक आ अधिकारी सभ राहति केर सांस लेलनि अछि। जिलाक डीएम कौशल कुमार जनौलनि जे मंगल कें दिनक 10 बजे कोसी बराज सं 96,680 क्यूसेक डिस्चार्ज रिकॉर्ड कयल गेल, जहनकि नेपालक बराह क्षेत्र सं 69,200 क्यूसेक डिस्चार्ज दर्ज भेल। दुनू ठामक जलस्तर मे कमी आबि रहल अछि, जे राहतिक संकेत अछि।
एहि बीच, जिलाक पांच प्रखंड – सुपौल, किशनपुर, सरायगढ़, निर्मली आ मरौनाक 33 पंचायतक 264 वार्डक एक लाख 30 हजार 235 लोक प्रभावित अछि। एहि मे सं सब सं बेसी किशनपुर प्रखंडक 57,135 लोक, सुपौल प्रखंडक 37,555, सरायगढ़ भपटियाही प्रखंड क्षेत्रक 17,500, मरौना प्रखंडक 13,045 आ निर्मली प्रखंडक 5,000 लोक बाढ़ि सं प्रभावित भेल छथि।
9 अक्टूबर कें चयनित 25,592 बाढ़ि पीड़ित परिवार कें सात हजार रुपैयाक राशि सीधा बैंक खाता मे देल जायत। जनतब दी जे कोसी नदीक जलस्तर बढ़ला सं बीतल किछु दिन मे सैकड़ो घर विलीन भए गेल अछि आ बहुत रस्ता आ पुलिया सेहो क्षतिग्रस्त भए गेल अछि। कतेको पुल कटावक चपेट मे आबि गेल अछि, जाहि सं दू गामक लोकक बीच संपर्क टूटि गेल अछि आ मजबूरन नावक सहारा सं आवाजाही करय पड़ि रहल अछि।



