4.9 C
London
Monday, April 20, 2026

डेंगू सं निपटबाक लेल स्वास्थ्य विभाग पूर्ण कए लेलक अछि तैयारी : स्वासथ्य मंत्री

पटना, समदिया

बिहार मे बढ़ैत डेंगूक मामला कें लए कए स्वास्थ्य विभाग सतर्क भए गेल अछि। स्वास्थ्य मंत्री मंगल पाण्डेय कहलनि जे स्वास्थ्य विभाग राज्य मे लोक कें सुरक्षित रखबाक लेल प्रतिबद्ध अछि। डेंगू आ चिकनगुनियाक प्रसार बढ़य सं पहिने सेहो स्वास्थ्य विभाग पूरा तैयारी केने अछि। एहि अंतर्गत राज्यक सब मेडिकल कॉलेज, सदर अस्पतालक संग-संग प्रखंड स्तरक सब सरकारी स्वास्थ्य संस्थान मे समर्पित बेडक व्यवस्था कयल जा रहल अछि।

स्वास्थ्य मंत्री कहलनि जे डेंगू जांच किट, ब्लड प्लेटलेट आ दवाइक उपलब्धता सुनिश्चित करबा लेल स्वास्थ्य संस्थान कें निर्देश देल गेल अछि। प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र मे मच्छरदानी वला 2 समर्पित बेड, जिला अस्पताल मे 10 आ राज्यक सब मेडिकल कॉलेज मे 20 बेडक व्यवस्था कयल गेल अछि। सब सरकारी संस्थान मे जरूरतक हिसाब सं समर्पित बेडक संख्या बढ़ेबाक निर्देश सेहो देल गेल अछि। एकर अलावा आपातकालीन स्थिति सं निपटबा लेल सब जिला मे एम्बुलेंसक उपलब्धता सुनिश्चित कयल गेल अछि।

बता दी जे राज्य मे 19टा नव डेंगू रोगी भेटल अछि। 26 जुलाई कें स्वास्थ्य विभागक भेटल रिपोर्टक अनुसार पटना मे अधिकतम 9 रोगी भेटल अछि। भागलपुर मे एकटा नव डेंगू मरीज, कटिहार मे एकटा, सहरसा मे एकटा, समस्तीपुर मे एकटा, सारण मे तीन आ पश्चिम चंपारण मे दू गोट रोगी भेटल अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here