12 C
London
Thursday, April 23, 2026

भाजपाक प्रत्येक कार्यकर्ता कें कटा गाछ मां केर नाम सं लगेबाक अछि

शिवहर, समदिया

भारतीय जनता पार्टी  जिला  कार्यसमितिक बैसार भाजपा जिला कार्यालय कैलाशपति मिश्र सभागार मे जिलाध्यक्ष नीरज सिंहक अध्यक्षता मे संपन्न भेल, जाहि मे मुख्य अतिथि बिहार सरकारक गन्ना उधोग मंत्री कृष्ण नंदन पासवान, पूर्व विधायक भाजपा नेता ठाकुर रत्नाकर राणा, क्षेत्रीय सह प्रभारी आशुतोष सिंह, जिला प्रभारी हरि मोहन चौधरी, पूर्व जिलाध्यक्ष संजीव कुमार पाण्डेय, जिला महामंत्री विनय कुमार सिंह कार्यकर्ता लोकनि सं संगठन कें मजबूत बनेबा लेल अपन विचार रखलनि।

बिहार सरकारक मंत्री कृष्ण नंदन पासवान जिला कार्यसमिति मे शामिल जिला पदाधिकारी, मोर्चा जिला पदाधिकारी मंडल पदाधिकारी मंचक संयोजक कें संबोधित करैत कहलनि जे 14 अगस्त धरि मंडल कार्यसमिति सब मंडल मे करबाक अछि। एक पेड़ मायक नाम सभ कार्यकर्ता लोकनि कें लगेबाक अछि। भाजपा कार्यकर्ता राष्ट्रहित मे कार्य करैत अछि। ओतै मानवताक लेल सेहो कार्य करैत छथि। फेर प्रत्येक शक्ति केन्द्र पर पांच अलग-अलग समाजक कार्यकर्ता कें जोड़बाक अछि। बूथ कार्यकर्ता कें बूथ ग्रेडिंग कर वोट प्रतिशत बढ़ेबाक लेल समाजक लोक सं मीलि कए केन्द्र आ राज्य सरकारक कार्य कें बतेबाक अछि।

औतै भाजपा कार्यकर्ता बिहार राज्य कें विशेष पैकेज देबाक लेल भारतक प्रधानमंत्री नरेंद्र दामोदर दास मोदी आ वित्त मंत्री निर्मला सीतारमनक प्रति धन्यवाद प्रस्ताव पारित कयल गेल अछि।

एहि अवसर पर पूर्व विधायक रत्नाकर राणा कहलनि जे अपने लोकनि संगठनक कार्य करी। हम तन मन मन धन सं अपनेक संग छी। बिहार मे फेर सं 2025 मे एनडीए केर सरकार बनत आ  शिवहर मे कमल खिलत। कार्यक्रमक संचालन जिला महामंत्री धर्मेन्द्र पाण्डेय कयलनि।

बैसार मे उपाध्यक्ष राम कृपाल शर्मा,  डॉ. नूतन सिंह राम बाबू गुप्ता, बिभाष चन्द्र झा, आदित्य कुमार सिंह, प्रदेश प्रवक्ता पंचयातीराज डॉ. राम बहादुर प्रसाद गुप्ता, मनीष गुप्ता, जिला मंत्री जय प्रकाश गुप्ता, मुकेश चौधरी,  विकास पासवान, पुनीता चौधरी, राजीव पाण्डेय, जिला मोर्चा अध्यक्ष राम करण पासवान, बसंत सिंह मुखिया सुनैना देवी, संजय गुप्ता, असरफ कमाल,

मंडल अध्यक्ष सरोज सिंह, पंकज पाण्डेय, मनोज कुमार, नितेश सिंह, अनिल कुमार, महामंत्री विकास यादव, भारत भूषण तिवारी, मीडिया प्रभारी संजय तिवारी, आइटी सेल विजय चंद्रवंशी, रतनेश सोनी, बजरंगी सिंह, उतम पटेल, खुशनंदन कुमार, सीता देवी,  सैकड़ो मातृ शक्ति आ युवा मोर्चाक कार्यकर्ता शामिल भेलाह।

 

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here