7.4 C
London
Thursday, April 23, 2026

अगस्त सं दरभंगा शहरक भीतर बस परिचालन बंद भ’ जाएत, आयुक्तक अध्यक्षता मे बैसार भेल निर्णय

दरभंगा, समदिया  

शहर मे जाम सं राहत देबा लेल अगस्त के पहिल सप्ताह सं यात्री बसक परिचालन शहर मे बंद भ’ जाएत। आब दिल्ली मोड सं कुशेश्वरस्थान आओर बिरौल या सहरसा जाए वाला बस स्टेशन रोड, डोनार चौक के रास्ता सं नहि जाएत। दिल्ली मोड़ सं बेनीपुर होइत रानीपुर, बिजली, तखरसराय, सकरी आ धरौरा सं गुजरत। संगहि लहेरियासराय बस स्टैंड सं मधुबनी, कमतौल आओर दोसर ठाम जाए वाला बस लहेरियासराय सं सैदननगर, एकमी, भरौल होइत शोभन बाईपास होइत दिल्ली मोड बस स्टैंड पर जाएत।

एहि संबंध मे शनिदिन आयुक्त मनीष कुमार के अध्यक्षता मे बैसार भेल। जाहि मे एडीएम नीरज कुमारदास, नगर एसपी शुभम आर्य, नगर आयुक्त कुमार गौरब, संयुक्त सचिव सह क्षेत्रीय परिवहन प्राधिकरण राजेश कुमार, डीटीओ, श्रीप्रकाश, यातायात डीएसपी अवधेश कुमार आदि अपन प्रतिनिधि के रूप मे भाग लेलनि कियैक त’ डीएम-एसएसपी मुख्यालय मे उपस्थित नहि छलाह।

बीएमपी लग स्टैंड बनेबाक लेल जगह ताकल जायत

डोनर रेलवे गुमटी सं बीएमपी-13 के आसपास बस स्टैंड के लेल सरकारी जमीन के पहचान करय के या किराया पर जमीन लेबय के निर्देश देल गेल अछि। शहर मे बस के संचालन के कारण रोज ट्रैफिक जाम रहैत अछि, जाहि के कारण लोक के रोज बहुत समस्या के सामना करय पड़ैत अछि. कखनो काल लोक के घंटों ट्रैफिक मे फंसल रहय पड़ैत छनि। एहि समस्याक समाधान लेल ई निर्णय लेल गेल अछि।

आब दिन मे कचरा संग्रह नहि होयत

आब दिन मे कचरा संग्रहण नहि होएत नगर निगम दिन मे यातायात के चरम समय मे कचरा संग्रहित करैत अछि। एहि कारण सं सेहो बहुत जगह पर जाम बनल रहैत छै । एहि संबंध मे कहल गेल जे राति मे कचरा जमा क’ आ दिन मे कोनो प्रवेश नहि हेबाक अवधि मे जाम सं बचल जा सकैत अछि।

स्कूल बस तत्काल चलत, यात्री बस नो-एंट्री मे नहि चलत

नगर निगम क्षेत्र के सब चौराहा पर कम सं कम राति 8 बजे तक यातायात पुलिस बल के तैनाती सुनिश्चित करबाक अछि। एकर अलावा शहर मे ऑटो के संचालन लेल तीन रूट बनाबय के निर्देश देल गेल छै। एकर अलावा पहचान लेल सब रूट पर ऑटो पर अलग-अलग रंग के पट्टी सेहो लगाऔल जाएत।

 आरटीए केर  मार्ग बदलल जायत 

दरभंगा नगर निगम क्षेत्र के भीतर प्रवेश के निर्धारित समय मे शहर स गुजरय वाला विभिन्न रूट पर चलय वाला एहन सब बस के संचालन के लेल मार्ग बदलय के फैसला टयल गेल, जकर परमिट क्षेत्रीय परिवहन प्राधिकरण, दरभंगा सं जारी अछि। प्राधिकरण के उक्त निर्णय सं विभिन्न रूट पर चलय वाला बस के रूट दरभंगा बस स्टैंड सं स्टेशन डोनार होइत दरभंगा बस स्टैंड सं कारी-धरौरा होइत दरभंगा बस स्टैंड मे बदलि देल गेल अछि। प्राधिकरणक एहि फैसला सं शहरवासी के जाम सं राहत भेटत। तहिना लहेरिया सराय सं दरभंगा स्टेशन होइत कमतौल-सीतामढ़ी आदि मार्ग पर चलय वाला यात्री बस आब लहेरिया सराय बस स्टैंड, एकमी, शोभान दरभंगा बस स्टैंड होइत बदलल मार्ग पर चलत।

 

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here