10.3 C
London
Thursday, April 16, 2026

एलपीजी सिलिंडर आपूर्ति मे देरी पर कांग्रेस कार्यकर्ता सभक हल्लाबोल प्रदर्शन

सीतामढ़ी, समदिया

बढ़ैत महंगाई, रसोई गैसक लगातार बढ़ैत दाम, एलपीजी सिलिंडर आपूर्ति मे होइत देरी आ बिजली टैरिफ मे 20 प्रतिशत बढ़ोतरी सं नाराज कांग्रेस कार्यकर्ता सभ आ आमजन गुरुवार क दिन डुमरा मुख्यालयक लक्ष्मी चौक, भीसा पर जोरदार हल्लाबोल प्रदर्शन कएलनि। महंगाई कम करू, भाजपा-जदयू शर्म करू, मोदी-नीतीश मुर्दाबाद जेकां नारा लगबैत प्रखंड अध्यक्ष हैदर अंसारी क नेतृत्व मे महंगाईक प्रतीक मानल जा रहल मोदी सरकारक पुतला दहन कएल गेल।

प्रदर्शन मे शामिल प्रदेश प्रतिनिधि सह कार्यक्रम प्रभारी मो. शम्स शाहनवाज कहलनि जे युद्धक आड़ मे गरीब विरोधी नीति अपनबैत भाजपा सरकार रसोई गैस सिलिंडरक दाम बढ़ा देलक अछि। गैस सिलिंडर लेल चारू दिश हाहाकार मचल अछि, जाहि सं सबसं बेसी गृहिणी सभ प्रभावित भए रहल छथि। एलपीजी लेल लंबा लाइन लगल रहैत अछि, दोसर दिस सिलिंडर क कालाबाजारी सेहो जारी अछि। ओ कहलनि जे बहुत प्रवासी मजदूर सेहो चूल्हा-चौकी बंद भए जाय क कारण घर लौटए लेल मजबूर भए रहल छथि। प्रीमियम पेट्रोल आ डीजल क दाम मे सेहो लगातार बढ़ोतरी भेल अछि। हुनकर अनुसार केंद्र सरकारक कमजोर विदेश नीति क कारण देशवासी रसोई गैस आ पेट्रोलियम संकट सं जूझि रहल छथि। एहि प्रदर्शन मे वैदेही शरण यादव, प्रवीण कुमार, अख्तर रजा खान, मो. आदिल, मो. तनवीर खान, रूपेश कुमार, नीरज कुमार यादव, गगन राय, मो. सुखाड़ी, शमशेर खान, लड्डू खान, आजम खान, बैद्यनाथ साह, जमाल खान, आरफीन खान, मो. आफताब, रामनाथ राय, विमल कुमार, सुरेंद्र कुमार सहित अनेको कार्यकर्ता आ स्थानीय लोक उपस्थित छलाह।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here