17 C
London
Thursday, April 23, 2026

दरभंगा : प्रोन्नति सं प्रसन्न कर्मचारी मनेलनि आनंदोत्सव

दरभंगा, समदिया

ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय प्रशासन द्वारा मंगलदिन चतुर्थ वर्गीय कर्मीक निम्न वर्गीय लिपिक केर रूपमे प्रोन्नतिक अधिसूचना जारी भेला बाद विभिन्न महाविद्यालयमे बुधदिन उमंग आ उत्साहक वातावरण कायम रहल। ओतहि सीएम साइंस कॉलेजक शिक्षकेत्तर कर्मचारी द्वारा भव्य आनंदोत्सव केर आयोजन कयल गेल।

मौका पर उपस्थित प्रक्षेत्रीय मंत्री विनय कुमार झा, संरक्षक शमशाद अली, पवन कुमार मिश्र, कन्हैया जी झा, बिंदेश्वर यादव, दरभंगा जिला अध्यक्ष हर्षवर्धन कुमार, जिला मंत्री राधेश्याम झा, सीएम साइंस कॉलेज इकाई केर सचिव अनुपम कुमार झा आदि कें गुलाल लगा आ मुँह मीठ करा एहि पैघ कामयाबी लेल अभिनंदन कयल गेल। आनंदोत्सवमे अपन उद्गार व्यक्त करैत प्रक्षेत्रीय मंत्री विनय कुमार झा एहि पैघ जीत लेल कर्मचारी लोकनिक चट्टानी एकता कें महत्वपूर्ण बतेलनि। ओ प्रोन्नति प्राप्त केनिहार कर्मचारी कें बधाई दैत प्रोन्नति सँ वंचित रहय बला कर्मी कें विश्वास दियोलनि जे हुनका लोकनि कें सेहो हुनकर वाजिब हक दियेबा लेल संगठन अपन संघर्ष जारी राखत। प्रक्षेत्रीय मंत्री कर्मचारी कें प्रोन्नतिक हुनकर वाजिब हक प्रदान करबा लेल विश्वविद्यालयक यशस्वी कुलपति प्रो संजय कुमार चौधरी केर प्रति कृतज्ञता पूर्ण आभार जतोलनि। संरक्षक शमशाद अली विश्वास जतोलनि जे कुलपति प्रो संजय कुमार चौधरी केर कुशल नेतृत्वमे विश्वविद्यालय अपन चतुर्दिक विकासक गौरवशाली प्रतिमान गढ़बामे सफल होयत।

मौका पर सीएम साइंस कॉलेजक प्रधानाचार्य-सह-पूर्व विधान पार्षद प्रो दिलीप कुमार चौधरी कर्मचारी कें प्रोन्नति लेल बधाई आ शुभकामना दैत  उम्मीद जाहिर कयलनि जे प्रोन्नति सँ बनल उमंग आ उत्साह केर माहौलक महाविद्यालय आ विश्वविद्यालयक कार्य संस्कृति पर अनुकूल प्रभाव पड़त। कार्यक्रममे हर्षवर्धन कुमार, राधेश्याम झा, अनुपम कुमार झा, जितेंद्र राम, शिवशंकर झा, डॉ रोहित कुमार झा, उमेश कुमार ठाकुर, प्रवीण कुमार झा, आदित्यनाथ झा आदि सेहो विचार रखलनि। सभ वक्ता समेकित रूप सँ कुलपति प्रो संजय कुमार चौधरी सहित एहि मुहिममे प्रत्यक्ष एवं परोक्ष रूप सँ कर्मचारी लोकनिक प्रति सहानुभूति रखनिहारक प्रति विशेष आभार जतोलनि। कार्यक्रममे पवन कुमार ठाकुर, सतीश कुमार, कुमार राजर्षि, सरोज कुमार चौधरी, जितेंद्र कुमार महतो, गोपाल सिंह, चंद्रकांत चौधरी, लीला कुमारी, सिंदु कुमारी, जरीना खातून, रमेश कुमार कामति, जयकांत कामति, राजेश कुमार सिंह आदि केर उल्लेखनीय उपस्थिति रहलनि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here