सुपौल, समदिया
रेलवे स्टेशन परिसर मे युवा कांग्रेस के प्रदेश सचिव लक्ष्मण कुमार झा के नेतृत्व मे सुपौल सं लंबा दूरी के ट्रेन के मांग करैत प्रदर्शन कएल गेल। एहि अवसर पर दर्जनो कार्यकर्ता उपस्थित छलाह। युवा कांग्रेस के प्रदेश सचिव लक्ष्मण कुमार झा कहलनि जे, सुपौल स्टेशन अधीक्षक के दू सूत्री मांग के संबंध मे ज्ञापन सौंपल गेल अछि।
एहि दौरान ओ कहला जे सुपौल सं लंबा दूरी के ट्रेन के अभाव मे इलाका के कारोबारी आ आम लोक के सहरसा जेबा मे परेशानी होयत अछि। एहन मे ओ मांग करलथि जे सुपौल स्टेशन या सरायगढ़ जंक्शन सं राजधानी पटना तक सीधा रेल सेवा बहाल कयल जाए।
ओ कहला जे सब दिन लोक के ट्रेन सं सहरसा जेबा मे बहुत परेशानी के सामना करय पड़ैत अछि। एहन मे लोक बस सं यात्रा करय लेल मजबूर भ’ जाएत छथि। बस सं सहरसा जेबा मे ढाई घंटा लागि जाइत अछि। ओ कहला जे डबल इंजन सरकार के बावजूद सुपौल रेल मार्ग के विकास नहि क’ सकल अछि।



