पटना, समदिया
विधानसभा चुनाव सं पहिने भारतीय जनता पार्टी बिहार इकाई मे फेरबदल केलक अछि। सम्राट चौधरीक स्थान पर दिलीप जायसवाल कें नव प्रदेश अध्यक्ष बनाओल गेल अछि। दिलीप जायसवाल सोमदिन पार्टीक प्रदेश अध्यक्षक पद संभालि लेलनि। नवनियुक्त राज्य अध्यक्ष अपन टीम मे पैघ बदलावक संकेत देलनि अछि। हुनक टीम मे 65 प्रतिशत नव चेहरा शामिल होयत जहनकि 35 प्रतिशत पुरान चेहरा कें जगह देल जायत। अहां सब कें बताबी जे सम्राट चौधरीक टीम मे 48 प्रतिशत सदस्य पिछला टीमक छल। एहि अवसर पर दिलीप जायसवाल कहलनि जे प्रदेश अध्यक्षक कुर्सी कें कांटक ताज कहल जाइत अछि, मुदा हम एकरा फूलक ताज मे बदलि देब। हम एक-एकटा कार्यकर्ता कें सम्मान देबाक काज करब आ हुनकर सलाह सं मात्र पार्टी कें आगू बढ़ेबाक काज करब।
भाजपाक भीतर पिछला कतेको मास सं एहि बात कें लए कए झगड़ा चलि रहल छल जे दोसर पार्टीक नेता कें बेसी महत्व देल जा रहल अछि। पूर्व केंद्रीय मंत्री अश्विनी चौबे कहने छलाह जे प्रदेश अध्यक्ष एहन नेता कें बनेबाक चाही जिनकर पृष्ठभूमि भाजपा आ अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषदक हो। एतय बताबी जे सम्राट चौधरी भाजपाक पुरान नेता छथि। राजद आ जदयूक माध्यम सं भाजपा मे आयल छलाह। कहल जा रहल अछि जे प्रदेश अध्यक्ष कें लए कए किछु नेता मे आक्रोश छल। केंद्रीय नेतृत्व संघक पृष्ठभूमिक दिलीप जायसवाल कें प्रदेश अध्यक्ष बना कए कार्यकर्ताक आक्रोश कें शांत करबाक प्रयास केलक अछि।



