15.4 C
London
Wednesday, April 15, 2026

सुपौल मे 6 अप्रैल कें प्रमंडलीय आयुक्त करताह जन संवाद कार्यक्रम

सहरसा/समदिया

कोशी प्रमंडलक प्रमंडलीय आयुक्त राजेश कुमार आगामी 6 अप्रैल कें सुपौल जिला भ्रमणक दौरान समाहरणालय परिसर मे आम जनता सं संवाद कार्यक्रमक आयोजन करथिन। ई कार्यक्रम अपराह्न 12:30 बजे सं प्रारंभ होयत, जाहि मे आम लोकक समस्याक सुनवाई कएल जायत आ हुनकर त्वरित आ समयबद्ध समाधान लेल संबंधित पदाधिकारी सभक आवश्यक निर्देश देल जायत। कार्यक्रम दौरान आयुक्त कार्यालय मे लंबित ओहि परिवाद सभक सेहो समीक्षा कएल जायत जे सुपौल जिलासं संबंधित अछि आ जे पर अब धरि अनुपालन वा जांच प्रतिवेदन प्राप्त नहि भेल अछि। एहि सं लंबित मामिलाक निपटान मे तेजी अबै के उम्मीद अछि।

आम जनता सं संवाद कार्यक्रमक पूर्व प्रमंडलीय आयुक्त समाहरणालयक विभिन्न शाखासभक निरीक्षण करथिन। एहि मे स्थापना शाखा, सामान्य शाखा, शस्त्र शाखा, विधि शाखा, जिला भू-अर्जन शाखा, जिला पंचायत शाखा, आपूर्ति शाखा, डीपीओ (आईसीडीएस), अभिलेखागार आ जिला ग्रामीण विकास अभिकरण सहित अन्य शाखा शामिल अछि।

निरीक्षणक दौरान न्यायालय आ राज्य सूचना आयोगक आदेशक अनुपालनक स्थिति, लंबित अनुशासनिक कार्रवाई, लोकायुक्तक आदेशक पालन, लंबित अवमानना वाद, सैराधरि बंदोबस्ती सहित कुल 16 बिंदु पर गहन समीक्षा कएल जायत। एहि संबंध मे संबंधित सभ विभाग आ पदाधिकारी केँ आवश्यक तैयारिक सुनिश्चित करबाक निर्देश देल गेल अछि, ताकि कार्यक्रम आ समीक्षा बैठक प्रभावी आ परिणामोन्मुख बनाओल जा सके।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here