सहरसा, समदिया
सहरसा प्रमंडल मे मंगल राति आएल तेज आंधी-तूफान सं जनजीवन प्रभावित भए गेल। तेज हवा आ खराब मौसमक कारण कतेको स्थान पर विद्युत तार, पोल आ उपकरण क्षतिग्रस्त भए गेल, जाहि सं बिजली आपूर्ति ठप भए गेल। शहरी क्षेत्र मे 5 एलटी पोल क्षतिग्रस्त भए गेल, जबकि ग्रामीण क्षेत्र मे 23 एचटी पोल आ 17 एलटी पोल क्षतिग्रस्त भए गेला सं आपूर्ति ठप भए गेल। एहि कारण उपभोक्ताकें किछु समय लेल असुविधा झेलऽ पड़ल।
स्थिति गंभीर भेला पर विद्युत विभाग तुरंत त्वरित कार्रवाई शुरू कए देलक। तूफान थमिते विभागक अधिकारी आ कर्मी फील्ड मे उतरि कए मरम्मत आ पुनर्स्थापना कार्य मे जुटि गेल। विद्युत कार्यपालक अभियंता सहरसा ई. अमित कुमार जनौलनि जे विभागीय टीम सभ विषम परिस्थितिक बाबजूद लगातार काज करैत सराहनीय प्रदर्शन केलक। ओ कहला जे टाउन क्षेत्रक बिजली आपूर्ति लगभग 5 घंटा मे बहाल कएल गेल, आ दूर-दराज आ ग्रामीण क्षेत्र मे सेहो व्यापक प्रयासक बाद करीब 10 घंटा के भीतर आपूर्ति सुचारू भए गेल। तेज आंधीक कारण कई जगह पेड़ गिरल, तार टूटल आ पोल क्षतिग्रस्त भेल, जे प्राथमिकताक आधार पर दुरुस्त कएल गेल।
विभाग भविष्य मे एहन आपात स्थितिक सामना करए लेल सतर्क अछि। विद्युत विभाग उपभोक्तासं अपील कएलक जे खराब मौसमक दौरान सतर्क रहथि आ कोनो विद्युत समस्या तुरंत विभाग कें सूचित करथि। विभाग उपभोक्ताक सहयोग आ धैर्य लेल आभार व्यक्त केलक।



