12 C
London
Thursday, April 23, 2026

बेनीपुरक सझुआर गाम मे आठ बंद घर सं लाखो टाकाक समानक भेल चोरी

बेनीपुर, समदिया  

बहेड़ा थाना क्षेत्रमे आयल दिन चोर सभ आंतक मचा रखने अछि। चोर बंद घरे सभ कें अपन निशाना बना रहल अछि। बीतल राइत क्षेत्रक सझुआर गाममे चोर सभ बंद आठ घर कें अपन निशाना बनेलक। कोन घर सं कतेक समान आ नगद चोरी भेलैक अछि, तकर आकलन गृहस्वामीक गाम अयलाक बादे कयल जा सकैछ। घटनाक संबंधमे बतायल जा रहल अछि जे सझुआर गामक गजेन्द्र ठाकुर, बैद्यनाथ झा, टुनटुन झा, गौतम झा, चुल्हाई साफी, पुण्यानंद ठाकुर, महेंद्र ठाकुर आ सुजीत कुमार झाक बंद घरक ताला तोइड़कय घरमे राखल आलमीरा, ट्रंक आ बक्सा सबहक ताला तोइड़कय चोरीक घटना कें अंजाम देलक। स्थानीय लोक भोरमे एहि चोरीक घटनाक जानकारी बहेड़ा थाना पुलिस के देलनि। घटनाक जानकारी भेटतहि गांव पहुंचल पुलिस के गामक लोकक आक्रोशक सामना सेहो करय पड़लनि। गाममे एक संग एक रातिमे आठ घरमे भेल चोरीक घटना सं लोग भयभीत छथि। विगत 2 अगस्त के सेहो सझुआर गामक तीन बंद घरक ताला तोइड़कय चोरीक घटना के अंजाम देल गेल छल। गाममे लगातार भऽ रहल चोरीक घटना सं लोक सभमे जतय पुलिस प्रशासनक विरुद्ध आक्रोश अछि ओतहि लोक सभ भयभीत छथि।

सामाजिक कार्यकर्ता ऋषभ कुमार आ हंसिका कश्यप कुहू पुलिस प्रशासनक सौझामे अपन आक्रोश व्यक्त करैत 21 जून सं लऽ कय आइधरि बहेड़ा थाना क्षेत्रक बेलौन, धेरूख, बलनी, मकरमपुरमे दू बेर चोर सभ बंद घरक ताला तोइड़कय चोरीक घटना कें अंजाम देलक अछि मुदा एखनधरि एक्कोगो चोरीक मामिलाक उद्भेदन बहेड़ा थाना पुलिस द्वारा नहि कयल गेल अछि। विगत दू दिन पहिने क्षेत्रमे लगातार भऽ रहल चोरीक घटना कें लऽ कय भाजपा जिला महिला मोर्चा के उपाध्यक्ष निभा चौधरी , सामाजिक कार्यकर्ता ऋषभ कुमार आ हंसिका कश्यप कुहू वरीय पुलिस अधीक्षक आ अनुमंडल पुलिस पदाधिकारी सं भेटकय चोरीक घटना पर रोक लगेबाक आ उद्भेदन करबाक लेल मौखिक आ आवेदन देने छलाह। एहि संबंधमे थानाध्यक्ष चंन्द्रकांत गौरी घटनाक पुष्टि करैत बतेलनि जे एखनधरि कोनो लिखित आवेदन नहि भेटल अछि। ओना पुलिस जांचमे जुटि गेल अछि। एहि संबंधमे ओतहि एसडीपीओ आशुतोष कुमार बतेलनि जे जल्दिये एहि मामिलाक उद्भेदन कऽ लेल जायत। पुलिस तकनीकी विधि सं सेहो मामिलाक जांच शुरू कऽ देल गेल अछि।

 

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here