12 C
London
Thursday, April 23, 2026

जंगली सुअर आ नीलगाय सं निपटत सरकार, बनाओल गेल डेथ प्लान

पटना, समदिया

कतेको जिला मे जंगली सुअर आ नीलगायक खतरा सं किसान परेशान छथि। ई जंगली जानवर फसल कें बहुत नुकसान पहुंचाबैत अछि। आ कतेको बीघा मे पसरल फसिल कें नष्ट कए दैत अछि। नीतीश सरकार किसानक एहि चिंता कें दूर करबाक फैसला केलक अछि। आ एकरा लेल जंगली सुग्गर आ नीलगायक निपटानक योजना बनाओल गेल अछि। नीलगाय आ जंगली सुअर सं सब सं बेसी प्रभावित जिला वैशाली, पूर्वी चंपारण, पश्चिम चंपारण, बेगूसराय, मुजफ्फरपुर, गया आ बक्सर अछि।

राज्य मे फसल कें नुकसान पहुंचाबय वाला नीलगाय आ जंगली सुअर कें मारबाक खर्च कृषि विभाग उठाओत। जेकरा लेल वन, पर्यावरण आ जलवायु परिवर्तन विभागक पैनलक शिकारीक सहयोग लेल जायत। कृषि आ वन, पर्यावरण आ जलवायु परिवर्तन विभागक मंत्री आ अधिकारीक बैसार मे ई निर्णय लेल गेल अछि।

वन, पर्यावरण आ जलवायु परिवर्तन मंत्री डॉ. प्रेम कुमार आ कृषि मंत्री मंगल पांडेय कहलनि जे, नीलगाय आ जंगली सुअर फसल आ तरकारीक खेती कें भारी नुकसान पहुंचा रहल अछि। एकर प्रभावी समाधान लेल ओ अधिकारी कें निर्देश देलनि। कृषि सचिव संजय कुमार अग्रवाल कहलनि जे बिहारक 34 जिला मे नीलगाय आ 30 जिला मे जंगली सुअरक कारण फसिल कें नुकसान भए रहल अछि।

राज्यक सब जिला मे नीलगायक संख्या लगभग 3 लाख आ जंगली सुअरक संख्या 67 हजार अछि। नीलगायक झुंड राहरि, मटर आ कुसियारक फसिल कें नष्ट कए रहल अछि। बता दी जे नीलगाय फसिल कें नुकसान पहुंचेबाक अलावा सड़क दुर्घटना सेहो करैत अछि। एहि सं पहिने सेहो बिहार सरकार जंगली सुअर आ नीलगाय सं निपटबा लेल प्रोफेशनल शूटर नियुक्त केने छल।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here