मृतकक पहचान गायघाटक बेरुआ निवासीक रूप मे भेल
मुजफ्फरपुर।
मुजफ्फरपुर मे दिनदेखाड़ गिट्टी-बालू कारोबारी कें गोली मारि हत्या कए देल गेल। बाइक सवार बदमाश सभ ओवरटेक कए गोली चलौलक। घटना अहियापुर थाना क्षेत्रक व्यस्त बाजार समिति रोडक अछि।
जानकारी अनुसार मृतक घर सं काज लेल निकलल छलाह। रस्ता मे गोली लगतहि लहूलुहान भए कए सड़क पर गिरि पड़लाह। घटना कें अंजाम देलाक बाद अपराधी हथियार लहरबैत फरार भए गेल।
सूचना भेटिते पुलिस घटनास्थल पर पहुंचल आ घायल कें अस्पताल पहुंचाओल गेल, जतए डॉक्टर सभ हुनका मृत घोषित कएलनि। मृतकक पहचान गायघाटक बेरुआ निवासी प्रभाकर सिंहक रूप मे भेल अछि। ओ लंबा समय सं गिट्टी आ बालू कारोबार सं जुड़ल छलाह।
सीसीटीवी खंगालि रहल अछि पुलिस
एसएसपी कांतेश कुमार मिश्रा बतौलनि जे पुलिस टीम घटनास्थल पर पहुंचि बारीकी सं जांच कए रहल अछि। आसपासक सीसीटीवी कैमरा फुटेज खंगालल जा रहल अछि, जाहि सं हमलावर सभक पहचान कएल जा सकए आ फरार होएबाक रस्ता पता लगाओल जा सकए। पुलिस जल्दिये आरोपी सभकें गिरफ्तार करबाक दावा कएलक अछि।
सुरक्षा व्यवस्था पर उठल सवाल
दिनदेखाड़ शहरक एतेक व्यस्त इलाका मे भेल एहि हत्या सं पुलिसक गश्ती आ सुरक्षा व्यवस्था पर गंभीर सवाल उठि रहल अछि। व्यापारी सभ मे एहि घटना के लए कए आक्रोश अछि। फिलहाल पुलिस आपसी रंजिश आ व्यवसायिक विवाद समेत कतेको पहलू पर जांच कए रहल अछि। इलाका मे तनाव देखैत अतिरिक्त पुलिस बल तैनात कएल गेल अछि।
एसएसपी बतौलनि जे एकटा बाइक पर सवार दू अज्ञात बदमाश गोली चलौलक। मृतक प्रभाकर सिंह बालू-गिट्टी संग जमीन कारोबार सेहो करैत छलाह। तीन गोली लागबाक बात सामने आयल अछि। पुलिस सभ बिंदु पर जांच क रहल अछि आ विशेष टीम गठित कएल गेल अछि।
ओ कहलनि जे प्रभाकर सिंह मूल रूप सं गायघाट थाना क्षेत्रक निवासी छलाह, मुदा अहियापुर क्षेत्र मे सेहो हुनकर घर छल। पुलिस अलग-अलग स्थान पर जांच क रहल अछि।



