मेलि केर, बेथ मूनी आ अयाबोंगा खाका शामिल

अंतरराष्ट्रीय क्रिकेट परिषद सोमदिन मार्च 2026 लेल महिला प्लेयर ऑफ द मंथक नॉमिनी घोषित कएलक अछि। मेलि केर, बेथ मूनी आ अयाबोंगा खाका अपन शानदार प्रदर्शनक आधार पर एहि पुरस्कार लेल नामित कएल गेल छथि।
मेलि केर (न्यूजीलैंड)
न्यूजीलैंडक कप्तान मेलि केर मार्च मासमे शानदार फॉर्ममे रहलीह आ जिम्बाब्वे आ दक्षिण अफ्रीका विरुद्ध घरेलू श्रृंखलामे पैघ योगदान देलनि। ओ चारि वनडे आ छह टी 20 मुकाबलामे खेलैत ऑलराउंड प्रदर्शन कएलनि, जाहि सं ओ आईसीसी महिला टी20 ऑलराउंडर रैंकिंगमे शीर्ष पर पहुंचि गेल छथि।
चारि वनडे मुकाबलामे ओ मात्र 6.77 औसत सं 18 विकेट लेलनि। जिम्बाब्वे विरुद्ध दोसर वनडेमे 7/34क प्रदर्शन न्यूजीलैंड लेल एहि फॉर्मेटमे सर्वश्रेष्ठ रहल अछि।
टी20 मुकाबलामे ओ छह मैचमे छह विकेट लेलनि, जाहिमे अंतिम मुकाबलामे दक्षिण अफ्रीका विरुद्ध 2/6 सर्वोत्तम रहल। व्हाइट फर्न्स श्रृंखला 4-1 सं जीतलनि।
बल्लेबाजीमे सेहो ओ शानदार रहलाह। टी20 श्रृंखलामे 276 रन बनौलनि आ लगातार 11 बेर 30 सं बेसी रन बनाबयक रिकॉर्ड बनौलनि। वनडेमे 176 रन बनौलनि, जाहिमे 80 रनक सर्वोच्च स्कोर जिम्बाब्वे विरुद्ध तेसर वनडेमे आएल। ओहि मैचमे ओ पांच विकेट सेहो लेलनि।
बेथ मूनी (ऑस्ट्रेलिया)
बेथ मूनी मार्च महीनामे ऑस्ट्रेलिया लेल मजबूत बल्लेबाजी कएलनि। ओ महीनाक शुरुआत भारत विरुद्ध 84 गेंदमे नाबाद 106 रन बना कए कएलनि, जाहि सं ऑस्ट्रेलिया 3-0 सं श्रृंखला जीतलक।
वेस्ट इंडीज विरुद्ध T20 श्रृंखलामे ओ तीन मैचमे 107 रन बनौलनि, औसत 35.66 आ स्ट्राइक रेट 128.91 रहल। पहिल मैचमे 79 रन बना क प्लेयर ऑफ द मैच सेहो बनलनि। मासक अंतमे वेस्ट इंडीज विरुद्ध वनडेमे 65 रन बना कए जीतमे योगदान देलनि।
अयाबोंगा खाका (दक्षिण अफ्रीका)

अयाबोंगा खाका न्यूजीलैंड दौरा दौरान गेंदबाजीमे शानदार प्रदर्शन कएलनि आ टी20 श्रृंखलामे अपन टीम लेल सबसं बेसी विकेट लेलनि। ओ श्रृंखलामे आठ विकेट लेलनि, औसत 15.37 रहल। दोसर टी20 मुकाबलामे 4/27क प्रदर्शन सं टीमके 18 रन सं जीत दियौलनि। मार्च महीनामे खेलल एकमात्र वनडे मुकाबलामे ओ क्राइस्टचर्चमे 6/56क करियरक सर्वोत्तम प्रदर्शन कएलनि, जाहि सं दक्षिण अफ्रीका जीत हासिल कएलक।



