धौंस देखाक वसूली करैत छल, टाउन थाना मे प्राथमिकी दर्ज कें गिरफ्तार केयल गेल
पटना, समदिया
छपरा समाहरणालय परिसर मे सोमदिन ओहि समय हड़कंप मचि गेल, जखन एक युवक अपनाके आईएएस अधिकारी बताबति जिलाधिकारी सं भेट करए पहुंचल। ई घटना अपराह्न करीब 3 बजे के अछि। युवक प्रतिनियुक्त आदेशपाल कें अपन नाम रीतेश कुमार, पिता कृष्णा पंडित, ग्राम बसाढ़ी, थाना छपरा मुफस्सिल बतौने रहल आ कहल जे ओ वर्तमान मे मेरठ मे आईएएस पद पर पदस्थापित अछि आ जिलाधिकारी सं मुलाकात करए चाहैत अछि।
विश्वास मे ल’ क’ ओकरा जिलाधिकारी के कार्यालय प्रकोष्ठ मे पठाओल गेल। मुदा जखन जिलाधिकारी ओकरासं पहचान पत्र मांगलनि, त’ ओ कोनो वैध दस्तावेज प्रस्तुत नहि क’ सकल आ बहाना बनाबए लगल। संदेह होइत सख्ती सं पूछताछ कएलाक बाद ओ स्वीकार कएलक जे ओ न त’ आईएएस अछि आ नहिए कोनो सरकारी पद पर पदस्थापित। पूछताछ मे ईहो खुलासा भेल जे ओ अपनाके आईएएस अधिकारी बताकें विभिन्न सरकारी कार्यालय मे अधिकारी सभ सं भेट करैत छल आ प्रभाव के डर देखाके लोकनिके काम कराबए कें नाम पर मोट रकम वसूलैत छल। फर्जी आईएएस बनि आम लोकनिके ठगए के ई कृत्य स्पष्ट रूप सं आपराधिक श्रेणी मे आबैत अछि।
जिलाधिकारीक निर्देश पर उक्त युवक के विरुद्ध टाउन थाना, छपरा मे प्राथमिकी दर्ज क’ ओकरा गिरफ्तार कएल गेल अछि। प्रशासन आम जनता सं अपील कएने अछि जे कोनो संदिग्ध व्यक्ति के झांसा मे नहि आबथि आ अइसन मामला के तत्काल सूचना पुलिस वा प्रशासन कें दिअथि।



