– चंदवारा पुल लग भेटल सबहक शव, मृतक मे एक बेटी आ दू बेटा अछि शामिल
मुजफ्फरपुर, समदिया
मुजफ्फरपुर जिला मे चारिटा शव भेटल अछि। एहि मे एक महिला आ ओकर तीनटा बच्चा शामिल अछि। ई सभ कतेको दिन सं लापता छल। महिलाक पति अपहरण आ हत्याक आरोप लगौने अछि। ई मामला अहियापुर थाना क्षेत्रक चंदवारा इलाकाक अछि। फिलहाल पुलिस शव सभ कें पोस्टमॉर्टम लेल पठा कए मामलाक छानबीन शुरू कए देने अछि।
10 जनवरी सं लापता छल सभ
जिलाक अहियापुर थाना क्षेत्र अंतर्गत चंदवारा पुल लग चारू गोटेक शव बरामद भेल अछि। ई सभ 10 जनवरी सं लापता छल। मृतक मे एक महिला आ ओकर तीनटा संतान अछि, जाहि मे एक बेटी आ दू बेटा शामिल अछि। मृत महिलाक पति पत्नी आ बच्चा सभक अपहरण कए हत्या करबाक आरोप लगौने अछि। ओ कहैत अछि जे पहिने विवाहक नीयत सं पत्नीक अपहरण कएल गेल आ बाद मे ओकर हत्या कए देल गेल।
12 जनवरी कें थानामे आवेदन
मृत महिलाक पति बतौने अछि जे शनि दिन ओकर पत्नी आ बच्चा सभ अचानक गायब भए गेल। बहुत खोजबीन कएलाक बादो कोनो पता नहि चलल। सोमदिन भोर एक अनजान नंबर सं फोन आयल। फोन उठाबय पर ओमहर सं केओ किछु नहि बाजल। बाद मे एक संबंधी महिला बात कएलक आ कहलक जे ममता कें हम सभ अपहरण कए लेने छी। एहि धमकीक बाद पुलिस कें लिखित आवेदन देल गेल, मुदा पुलिस कोनो कार्रवाई नहि कएलक। एहि बीच आइ सूचना भेटल जे चंदवारा पुल लग सभक शव पड़ल अछि।
कृष्ण मोहन कुमार, मृत महिलाक पति, कहलनि जे शनिक दिन भोर हम गाड़ी चलाबय लेल घर सं निकल गेल छलहुं। सांझ करीब छह बजे घर लौटलहुं तं मां बतौलनि जे पुतोहू बच्चा सभक संग बाजार गेल छल, मुदा अखन धरि लौटल नहि अछि। बहुत खोजबीन कएलहुं, किछु पता नहि चलल। पुलिस कें सेहो सूचना देलहुं। आइ सभक शव नदीक कात भेटल अछि।
ओढ़नी सं बान्हल भेटल छल शव
महिला आ तीनू बच्चाक शव नदी मे छताइत अवस्था मे भेटल अछि। शव सभक हालति देखि ई अंदेशा जताओल जा रहल अछि जे ई आत्महत्या नहि, बल्कि सुनियोजित षडयंत्र अंतर्गत कएल गेल हत्या अछि। महिला आ बच्चा सभक शव ओढ़नी सं बान्हल पाओल गेल अछि।
मुजफ्फरपुरक एसएसपी कांतेश मिश्रा कहलनि जे ई महिला 10 जनवरी सं गायब छल। 12 तारीख कें ओकर पति थाना मे आवेदन देलक। आवेदनक आधार पर प्राथमिकी दर्ज कए छानबीन कएल जा रहल अछि। पति अपहरण आ हत्याक आरोप लगौने अछि। एहि मामला मे जे केओ दोषी होयत, ओकरा कठोर सजा दियाओल जायत।



