4.9 C
London
Monday, April 20, 2026

टीएलएम मेला 3.0 मे दरभंगाक शिक्षक बलविंदर सिंह बनलाह राज्य स्तरीय विजेता

दरभंगा, समदिया

 राज्य स्तरीय टीएलएम (शिक्षण अधिगम सामग्री) मेला 3.0 कए दू दिवसीय आयोजन 10 आ 11 मार्च 2026क पटना मे कएल गेल छल। एहि मेला मे बिहारक सभ जिला सं हिंदी, अंग्रेजी, उर्दू, गणित आ पर्यावरण विषयक चयनित प्रतिभागी भाग लेने छलाह। एहि प्रतियोगिता मे दरभंगा सदरक न्यू कॉलोनी कबीरचक निवासी आ जिला स्तर पर चयनित बीपीएससी शिक्षक बलविंदर सिंह गणित विषय मे पूरा बिहार मे प्रथम स्थान प्राप्त कए प्रशस्ति पत्र आ पुरस्कार हासिल केलाह। हुनकर एहि उपलब्धि सं जिला भरि मे खुशीक माहौल अछि। बलविंदर सिंहक सफलता पर जिला शिक्षा पदाधिकारी दरभंगा विद्यानंद ठाकुर सहित शिक्षा विभागक पदाधिकारी सभ हुनका शुभकामना देलनि। प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी दरभंगा सदर राजेश कुमार आ सदर प्रखंडक प्रधानाध्यापक सभ-नागेंद्र प्रसाद राय, गोविंद प्रसाद यादव, विजय कुमार यादव, सुनील कुमार आ प्रणय रंजन आदि सेहो हुनका बधाई देलनि। प्रखंड स्तरीय टीएलएम मेला 14 फरवरी 2026 के सीआरसी रानीपुर मे आयोजित कएल गेल छल, जतं सं बलविंदर सिंह जिला स्तर लेल चयनित भेलाह। हुनकर जीत पर रानीपुरक शिक्षक सभ सेहो खुशी व्यक्त कए शुभकामना देलनि। बीआरसी सदरक ओर सं कएल जानकारी अनुसार काल्हि बिहान 11 बजे हुनका सम्मानित कएल जाएत।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here