10.3 C
London
Thursday, April 16, 2026

एशियन बॉक्सिंग चैंपियनशिप 2026 मे भारतक शानदार प्रदर्शन

 मीनाक्षी जैस्मिन सेमीफाइनल मे पहुंचलीह

एशियन बॉक्सिंग चैंपियनशिप 2026क सातम दिन भारतक महिला मुक्केबाज सभ शानदार प्रदर्शन जारी रखलनि। मंगोलिया मे खेलल मुकाबला मे मीनाक्षी आ जैस्मिन भोर सत्र मे सर्वसम्मति जीत हासिल कए सेमीफाइनल मे पहुंचलीह।

एहि जीत सं भारतीय महिला टीमक प्रत्येक मुक्केबाज पदक सुनिश्चित करैत सेमीफाइनल स्थान बनौने अछि। दोसर दिस पुरुष वर्ग मे लोकेश, आकाश आ हर्ष चौधरीक जीत सं भारतक छह मुक्केबाज सेमीफाइनल मे पहुंचलाह।

मीनाक्षी जैस्मिनक दमदार जीत

महिला 48 किलोग्राम वर्ग मे मीनाक्षी जापानक युका सादामात्सु के 5-0 सं हरौलनि। ओ अपन सटीक पंच आ शानदार नियंत्रण सं मुकाबला पर हावी रहलीह।

एहि तरह 57 किलोग्राम वर्ग मे जैस्मिन चीनक जियी चेन के 5-0 सं पराजित कए सेमीफाइनल मे स्थान बनौलनि। एहि परिणाम सं भारतीय महिला टीमक एखन धरिक प्रदर्शन पूर्ण रूप सं सफल रहल अछि आ हर मुक्केबाज पदक सुनिश्चित कएलक अछि।

पुरुष वर्ग मे सेहो भारतक दबदबा

पुरुष 85 किलोग्राम वर्ग मे लोकेश कोरियाक गिचाए किम कें 5-0 सं हरौलनि। ओ मुकाबला दौरान पूरा नियंत्रण आ सटीकता देखौलनि।

आकाश तुर्कमेनिस्तान क यल्हास बागत्यारोव के 5-0 सं हरौलनि, जखनकि हर्ष चौधरी किर्गिस्तान क टिनिस्तान अल्यबाएव के हराक सेमीफाइनल मे पहुंचलाह। एहि तरह भारतक छह मुक्केबाज पुरुष वर्ग मे सेहो सेमीफाइनल मे पहुंचि गेलाह, जे टीम क संतुलित प्रदर्शन के दर्शाबैत अछि।

अंकुश बाहर भेलाह

हलांकि 80 किलोग्राम वर्ग मे अंकुश जॉर्डन क हुसैन इआशैश सं हारि क प्रतियोगिता सं बाहर भ गेलाह।एशियन चैंपियनशिप मे भारत क अभियान लगातार मजबूत भ रहल अछि आ सेमीफाइनल मुकाबला सं पदक संख्या बढ़बाक उम्मीद अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here