10.3 C
London
Thursday, April 16, 2026

आईएसएसएफ शूटिंग वर्ल्ड कप: पलक आ मुकेश 10 मीटर एयर पिस्टल मे स्वर्ण जीतलनि

 बनौलनि विश्व रिकॉर्ड

आईएसएसएफ शूटिंग वर्ल्ड कप मे भारतीय निशानेबाज पलक आ मुकेश नेलावल्लीक जोड़ी शानदार प्रदर्शन करैत 10 मीटर एयर पिस्टल मिक्स्ड टीम स्पर्धा मे स्वर्ण पदक जीतलनि। एहि दौरान दुनू विश्व रिकॉर्ड सेहो तोड़ि देलनि। भारतीय जोड़ी फाइनल मे कुल 487.7 अंक हासिल कए शीर्ष स्थान प्राप्त कएलनि, जे जूनियर विश्व रिकॉर्ड सेहो अछि। फाइनल मे पलक 243.0 आ मुकेश 244.7 अंक प्राप्त कएलनि।

एहिसं पहिले क्वालिफिकेशन राउंड मे सेहो दुनू उत्कृष्ट प्रदर्शन करैत 581-17x स्कोर सं पदक मुकाबला लेल क्वालीफाई कएलनि। भारतीय जोड़ी क्वालिफिकेशन मे दोसर स्थान पर रहल, जखनकि चीन क जोड़ी 586-23x स्कोर सं पहिल स्थान पर रहल।

चीन क कियानशुन याओ आ काई हू 484.8 अंक सं रजत पदक जीतलनि, जखनकि हंगरी क वेरोनिका मेजर आ अकोस कारोली नागी क जोड़ी 414.9 अंक सं कांस्य पदक हासिल कएलनि।

18 वर्ष क पलक पहिने सेहो अंतरराष्ट्रीय स्तर पर अपन पहचान बना चुकल छथि। ओ एशियन गेम्स 2023 मे 10 मीटर एयर पिस्टल व्यक्तिगत स्पर्धा मे स्वर्ण आ टीम स्पर्धा मे रजत पदक जीतने छलाह। संगहि 242.1 अंक सं एशियाई खेल रिकॉर्ड बनबैत पेरिस ओलंपिक 2024 लेल कोटा सेहो हासिल कएलनि।

मुकेश नेलावल्ली सेहो भारतीय निशानेबाजी क उभरैत सितारा छथि आ जूनियर विश्व चैंपियन रहि चुकल छथि। एहि जीत सं भारतीय जोड़ी फेर एक बेर अंतरराष्ट्रीय मंच पर देशक नाम रोशन कएलनि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here