पटना, समदिया
बिहार बीजेपी मे सब किछु ठीक-ठाक नहि चलि रहल अछि। किछु मुद्दा कें लए कए पार्टीक नेता सभ कतेको गुट मे बंटि चुकल छथि। एकर संगहि नीतीश कुमार सेहो भाजपाक मंत्री लोकनि सं दूरी बना रहल छथि। बिहार विधानसभा चुनाव सेहो समीप अछि। एहि चुनौती सभ सं निपटबाक जिम्मेदारी जेपी नड्डा कें सौंपल गेल अछि। बिहारक राजनीतिक मे एहन चर्चा अछि जे जेपी नड्डा विधानसभा चुनाव सं पहिने डैमेज कंट्रोल करबा लेल 28 सितंबर कें पटना आबि रहल छथि।
2025 मे बिहार विधानसभा चुनाव होयत आ बीजेपीक लेल मिशन 2025 एकटा पैघ चुनौती बनल अछि। बिहार बीजेपी संक्रमणक दौर सं गुजरि रहल अछि। सुशील मोदीक निधनक बाद बिहार बीजेपी मे कोनो एहन नेता नहि अछि, जकर छतरीक नीचा सभ नेता आबि सकय। पार्टीक अंदर अपन डफली, अपन राग वला स्थिति बनि गेल अछि। कहल जा रहल अछि जे पार्टी कतेको गुट मे बंटि चुकल अछि। एहन मे बिहार विधानसभा चुनाव मे जीत हासिल करब मुश्किल भए सकैत अछि। भाजपा नेतृत्व कें एकर जानकारी अछि।
सम्राट चौधरीक मोन मे असंतोष
भाजपा मे सम्राट चौधरीक कद हालक दिन मे बहुत बढ़ल अछि। सम्राट चौधरी उपमुख्यमंत्री होयबाक संगहि बिहार विधान मंडल दलक नेता सेहो छथि। पार्टी हुनका प्रदेश अध्यक्ष बनौने छल। मुदा एकहि साल मे सम्राट चौधरी कें अध्यक्ष पद छोड़य पड़ल। कहल गेल जे भाजपा मे एक व्यक्ति, एक पदक सिद्धांत अछि। दिलीप जायसवाल कें प्रदेश अध्यक्ष बनाओल गेल आ वर्तमान मे ओ मंत्री सेहो छथि। एना कहल जा रहल अछि जे सम्राट चौधरी तमसायल छथि।
नव प्रदेश कमेटी कें लए कए संशय
26 जुलाई कें दिलीप जायसवाल प्रदेश अध्यक्ष बनलाह। 2 मास बीति गेलाक बादो ने तं प्रदेश कमेटीक नव ढंग सं गठन भेल अछि आ ने दिलीप जायसवाल मंत्री पद छोड़लनि। भेटि रहल जानकारीक मोताबिक दिलीप जायसवाल पर एहि बातक लेल दबाव अछि जे प्रदेश कमेटी मे हल्का-फुल्का फेरबदल कएल जाए, पूरा टीम नहि बदलल जाय। जं नव प्रदेश कमेटी दिलीप जायसवाल बनबैत छथि तं विधानमंडल दलक नेता सम्राट चौधरीक लेल स्थिति असहज भए सकैत अछि।
भाजपा मे सीएम पदक कतेको छथि दावेदार
अखन भाजपा मे 6 एहन नेता सक्रिय छथि जे प्रदेश अध्यक्ष रहि चुकल छथि। भारतीय जनता पार्टी मे कतेको एहन नेता छथि जे स्वयं कें मुख्यमंत्री पदक दावेदार मानैत छथि। सबसं ऊपर नाम केंद्रीय गृह राज्य मंत्री नित्यानंद रायक अछि। एकर अलावा सम्राट चौधरी आ विजय सिन्हाक नाम दावेदारक सूची मे शामिल अछि। विधानसभा अध्यक्ष नंदकिशोर यादव अंतिम पारी खेलबाक चाह रखैत छथि। एकर अलावा भाजपा सांसद संजय जयसवाल आ स्वास्थ्य मंत्री मंगल पांडेक नाम सेहो एहि सूची मे शामिल अछि।



