पटना, समदिया
बिहार मे शराब सं होमयबाला मौतक मामला पर नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव नीतीश सरकार पर पैघ हमला कएलनि अछि। ओ कहैत छथि जे शराबबंदी सरकारक सब सं पैघ भ्रष्टाचार छी। तेजस्वी कहलनि जे विषाक्त शराब सं हजारो लोकक जान जाइत अछि आ एहन परिस्थिति मे मुख्यमंत्री आब महात्मा बनबाक नाटक कए रहल छथि। सोशल मीडिया एक्स पर पोस्ट करैत तेजस्वी शराबबंदीक आंकड़ा सभ सेहो रखलनि।
तेजस्वी यादव अपन पोस्ट मे लिखलनि अछि जे बिहारक सब चौक-चौराहा पर शराबक दोकान खोलबय वला आ शराबबंदीक नाम पर विषाक्त शराब सं हजारो जान लय वाला मुख्यमंत्री आब महात्मा बनबाक नाटक कए रहल छथि। ओ कहलनि जे अपन शुरूक 𝟏𝟎 साल मे मुख्यमंत्री बिहार मे शराबक खपत बढ़बय लेल सब उपाय कएलनि आ आब अवैध शराब बिकबाबय लेल सब संभव प्रयास कए रहल छथि। ओ इहो पुछलनि जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार की एहि तथ्य सभक खंडन कए सकैत छथि? 𝟐𝟎𝟎𝟒-𝟎𝟓 मे बिहारक ग्रामीण इलाका मे 𝟓𝟎𝟎 सं कम शराबक दुकान छल, मुदा 𝟐𝟎𝟏𝟒-𝟏𝟓 मे हुनकर शासनकाल मे ई बढ़ि कए 𝟐,𝟑𝟔𝟎 धरि पहुंचि गेल। 𝟐𝟎𝟎𝟒-𝟎𝟓 मे संपूर्ण बिहार मे लगभग 𝟑𝟎𝟎𝟎 शराबक दोकान छल, जे 𝟐𝟎𝟏𝟒-𝟏𝟓 मे बढ़िकए 𝟔𝟎𝟎𝟎 सं बेसी भए गेल।
तेजस्वी यादव कहलनि जे एकटा आंकड़ाक अनुसार बिहार मे सब दिन औसतन 𝟒𝟎𝟎 सं बेसी लोक शराब सं जुड़ल मामलामे गिरफ्तार होइत अछि आ बिहार पुलिस आ मद्य निषेध विभागक दिस सं सब दिन लगभग 𝟔𝟔𝟎𝟎 छापेमारी होइत अछि। ई मतलब भेल जे प्रत्येक घंटा औसतन 𝟐𝟕𝟓 छापेमारी कएल जाइत अछि। एहि हिसाब सं बिहार पुलिस आ मद्य निषेध विभाग प्रत्येक मास लगभग 𝟐 लाख आ प्रतिवर्ष 𝟐𝟒 लाख ठाम छापेमारी करैत अछि, मुदा एकर बादो अवैध शराबक काला कारोबार जारी अछि। तेजस्वी यादव कहैत छथि जे एकर मतलब इहो अछि जे जब्त कएल गेल शराबक बाद जेडीयू नेतासभ, शराब माफिया आ पुलिस अधिकारी सभक मिलीभगति सं फेर बाजार मे बेचि देल जाइत अछि।



