पटना, समदिया
सुपौल जिलाक विकास मे एक नव अध्याय जुड़य जा रहल अछि। ईस्ट-वेस्ट कॉरिडोर (पोरबंदर सं सिलचर) एनएच-27 पर अवस्थित कोसी महासेतुक समीप आसनपुर कुपहा मे पर्यटन विभागक जमीन पर मिडवे सर्विस प्लाजा बनाओल जाएत। एहि महत्वाकांक्षी परियोजनाक लेल पर्यटन विभाग बुध कें 29.33 करोड़ रुपैयाक मंजूरी देलक अछि। एहि बातक जानकारी बिहारक पर्यटन आ उद्योग मंत्री नीतीश मिश्र सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म एक्स पर देलनि।
पर्यटन मंत्री नीतीश मिश्र विस्तार सं जानकारी देलनि जे ईस्ट-वेस्ट कॉरिडोर एनएच-27 पर आसनपुर कुपहा मे पर्यटन विभागक जमीन पर मिडवे सर्विस प्लाजाक निर्माण लेल मंजूरी भेटल अछि। एहि बहुउद्देश्यीय भवन मे यात्री सभ लेल फूड कोर्ट, त्वरित सेवा रेस्टोरेंट, इनडोर खेलक गतिविधि, रिटेल स्टोर, ई-चार्जिंग प्वाइंट, फ्यूल आउटलेट, जन सुविधा केंद्र आ पार्किंग समेत अत्याधुनिक सुविधा सभ उपलब्ध होयत।
ज्ञात हो जे एनएच-27 अतिव्यस्त राजमार्ग अछि आ एहि सुविधा सभक विकास सं यात्री सभक यात्रा अनुभव निश्चित रूप सं नीक होयत। एहि निर्माणक संग पर्यटक सभक अतिरिक्त आम जनसाधारण कें सेहो उच्चस्तरीय पर्यटकीय सुविधा सभ प्राप्त होयत।



